nepalvani-nepalvani.com
  • गृहपृष्ठ
  • समाचार
  • प्रदेश
    • कोशी प्रदेश
    • मधेश प्रदेश
    • बागमती प्रदेश
    • कर्णाली प्रदेश
    • लुम्बिनी प्रदेश
    • गण्डकी प्रदेश
    • सुदूरपश्चिम प्रदेश
  • राजनीति
  • समाज
    • कृषि
    • स्वास्थ्य
    • शिक्षा
    • अर्थ/वाणीज्य
  • विचार
  • खेलकुद
  • मनोरञ्जन
  • अन्तराष्ट्रिय
  • विविध
    • ब्लग
    • रोचक विश्व
    • अन्तर्वार्ता
    • पत्र-पत्रिका
    • राशिफल
    • जीवन शैली
    • फोटो ग्यलरी
    • विज्ञान/प्राविधि
No Result
View All Result
ई-पेपर
  • गृहपृष्ठ
  • समाचार
  • प्रदेश
    • कोशी प्रदेश
    • मधेश प्रदेश
    • बागमती प्रदेश
    • कर्णाली प्रदेश
    • लुम्बिनी प्रदेश
    • गण्डकी प्रदेश
    • सुदूरपश्चिम प्रदेश
  • राजनीति
  • समाज
    • कृषि
    • स्वास्थ्य
    • शिक्षा
    • अर्थ/वाणीज्य
  • विचार
  • खेलकुद
  • मनोरञ्जन
  • अन्तराष्ट्रिय
  • विविध
    • ब्लग
    • रोचक विश्व
    • अन्तर्वार्ता
    • पत्र-पत्रिका
    • राशिफल
    • जीवन शैली
    • फोटो ग्यलरी
    • विज्ञान/प्राविधि
No Result
View All Result

sajilo_post, Sajilopostkhabar, news khabar, nepal khabar, pradesh khabar, siraha times, siraha khabar, siraha post, sirahadialy
No Result
View All Result

मैथिली कथा – हुनकर कहल ओ लाइन

सजिलो पोस्ट सजिलो पोस्ट
अशोज ८, २०८०, ८:४५ मध्यान्ह
मैथिली कथा – हुनकर कहल ओ लाइन

आन दिन स्कुल सँ घर जायकाल एकटा ड्युटी खत्म भेलाके खुशी लय चहकैत घरजायबाली हमरा चेहराके लगोपास आई कुनो हर्षक किरण नहि छल।मनेमन हुनकर कहल ओ लाइन खाँजारहल छल हमरा ।डर लगैछल बाट चलैत हमर मनोभाव केउ पढि ने ले।नोर भरल आँखि केउ देख ने ले! हिया छिया छिया भरहल छल जे कोना कहल गेलैन हुनका हमरा ई लाइन।ओ आदमी जे हमरा हरचिजलाय इन्करेज करैछलैथ से आई—–।विश्वासे नहि भरहल इ हिनके रुप छन्हि।हुनके मुह सँ निकलल ई बोली छै।
कोनाक हमर आँखि धोका खागेल।अपनाके हम बड खपिस बुझैत छलौ ने!
इयाह छै अकर परिणाम।बड गुमानमे रहैत छलौ जे जीवनक उतारचढाब हमरा बहुत जल्दी परिपक्व बनादेलक।ओ तेसर नयन हमरामे निकलिगेल अछि जाहि सँ पुर्णतया त नहि कहि सकैछी मुदा थोर बहुत हम अहि दुनियाँके रंगके जरुर चिन्ह सकैत छी।

आइ सब गुमानक पारा झहरिरहल छल।एकतरह सँ कही त अपनापरक भरोसा हमर गिररहल छल। रहि रहिक चुभिरहल छल जे कोनाक हुनका कहलगेलैन हमरा, हम उवाह आदमी जकरा सँ कहने रहथिन बड खुशी लागिरहल अछि इह जानिक जे अँहा हमरा उपर भरोसा करैत छी।

सचमे आइधरि हमरा एहन आदमी नहि भेटल छल।हँ ई बात त हन्ड्रेड परसेन्ट सत्य छै प्रोफेसनली इ आदमी खरहुसे नहि महा खरहुस छै।पहाड यम्हर सँ उम्हर डगमगा सकैय मुदा ई मानव नहि!

मुदा तेतबे ईहो ब्म्ह सत्य जे हमरा भिगल अछि किनको आँखिमे नोर नहि देखसकैत छथिन।आँखि मलिन भेल छल हमर लागिरहल छल जेना पीडा ओ रहथिन भोगिरहल।एकटा बच्चा जाक हमरा, हमर अलहरपनके सम्हारबाला आई कोना हमरा भितरे सँ तोरिमरोरि देबवाला बात कहिदेलैथ।

सच त इ छै हमर मोन अखनो मानलाय ईह तैयार नहि जे ओ बजलखिन बजलखिन ओ तब ने सुनलकै हमर कान।नहि जनैछी किया एहन रुप ओ धारण केलखिन।

हम घर पँहुचगेल छलौ।किनको सँ किछु नहि बाजि चुपचाप अपन रुममे जाय कपडा बदलति छी।मोन बड भारी लागिरहल छल।देह थाकल थाकल महसुस भयरहल छल।कलेमचे होइत छल सुति रहु।मुदा कोना कय सक‌ैत छलौ!आउर बहुत हमर अपन जिम्मेवारीके बोध छल हमरा।

भानसमे जाय चाय बना हम सभके दति आन दिन जाय सभ सँग बसि नहि पिब भानसेमे पिब चलिअबैत छी।एक शब्द बाजब मुस्किल बुझारहल छल।आनदिन भानसमे कि बनाउ पुछिक सभहक डिमान्ड अनुसार भानस करबाली आइ चुपचाप अपने मोने कयरहल छलौ।थैक्स गड जे माँ आबिक कहिगेल छलखिन चाये बनबकाल जे मुगक दालि, अलुक सन्ना आ अरुवाके तरकारी कलेब।दही छेबे करै सब रोटी सँगे खालेतै।

नहि जेना हेतै हमरा सेहो कम्पुयटरक आजुक निडसक ज्ञान राख परत।इ कनि मनिके चलते आइ हमरा——–ई सुन परल।सबटा सिन एकएक कय हमर आगुमे नाच लगैय।हम क्लासमे छलौ।ट्रे जाहिमे एक टिचरके निडसक लगभग सब सामग्री छल।ओहिमे मोबाइल छल।साइलेन्टमे रहलाक कारण नहि टुनटुना चमैक उठैत छै।ओहिमे अपन टि एल टीके नाम देखि चेहरा पर मोबाइले जा चमक दौड जाइय।कल रिसिव करैत,” नमस्ते सर”
“म्याम प्लीज कम इन माइ अफिस।ह्वेर आर यु?”
“सर, आइ एम नि क्लास।”
“ओ सरी सरी यु कन्टिन्यु योर क्लास।”,कहैत फोन काटिदति छथिन।
ओना त हमर दुटा सब्जेक्ट साइन्स आर मैथ भेलाक कारण दुटा टी एल टी प्लस एकटा अभरअल टी एल टी सँग विशेष सम्पर्क छल।मुदा नहि जानि किया हम साइन्स टी एल टीके किछु विशेषे रेस्पेक्ट करैत छलियै आर ओ हमरा किछु विशेषे पसिनो परैत छलैथ।जकर कारण छै-
एक दिन हम छुट्टीके बाद स्कुलक नियम अनुसार एकघन्टा बादे टिचर जासकैछल मुदा अपन स्वास्थ साथ नहि देलाक कारण छुट्टी होइत जायपाबि कही परमिसन लेब पँहुचति छी।

हम अपन टी एल टी यानी एच ओ डी अफ साइन्स जकरा अहिठाम टी एल टी कहल जाति छ‌ै तिनकर गेट नक कय एक्सक्युज मी कहैत भित्र पैसैत छी।
“जी कहु।”कहि सर हमरा दिस तक‌ैत छथि।चेहरा पर स्माइल छलैन।
हम बिना झिझक कहैछियइ,” सर मे आई गो नाउ।”
“बट ह्वाइ?”
हम किछु नहि बाजि सर दिस ताक लगैत छि।”
“हँ हँ कहु। कैला?”
“सर प्लीज।आइ हेव टु गो।”
“ठीक छै।किया तँ कहपरलै ने।”
हम फेउर कियाक जबाब नहि दय यम्हर उम्हर ताक लगैत छि।”
“अँहा सेयर कय सकैछी हमरा अपन प्रोब्लेम।जान त परलै नहि हमरा किया जाय चाहैछी?”
“सर प्लीज।”
सरके हँसी आबिगेल छलैन।हमर एहन हरकत देखि।हमरा बुझबति स्थिर सँ कहैत छथिन,” ठीक छै।हम अँहाके जायलेल नहि रोकब।मुदा हमरो त कारण जान परलै ने! सोझे आबिक मे आई गो नाउ सर।एक मिनेट अँहा अपनाके हमर ठाम पर राखि देखियौत।हम एना कहितित अँहा कि करितियै?”
हम सहमतिमे सरके दिस ताक लगैत छि।
“अँहा स्थिर सँ पहिने बैसु तब हमरा कहु कि भेल?”
हमरा याद परैय जे अखन अत लेट लागत त स्कुलक गाडी निकैल जायत।तब हमरा पब्लिक गाडी पकैरक जाय परत।अहिलेल हमरा लगभग आधा घन्टा जतेक चल परत।हम बीचेमे बाजि उठैत छि”प्लीज सर गाडी छुइटजायत नहि त।”
हमर दर्द एकवेग बढिगेल छल।हमरा छट्पटी जाक धलेलक।सर हमर कंडिसन स अन्जान नहि रहसकल छलखिन।हमरा एना देखि ओ आइत जाइत छथिन।
गरम नहि रहितोमे हमरा पसिनायल देखि
फेन खोलि,”अँहा किछुदेर बैसक रेस्ट करु पहिने।कि भेल अँहाक? केउ केउ किछु कहलक कि?”
“नहि सर! हम जाउ”
“फेउर उवाह बात।अहि कहु हमरा, प्रिन्सिपल म्याम हमरा सँ पुछथिन त कि जबाब देबै हम? एनामे हम अँहाके कोना जायलाय कहिसकैछी? पहिने अँहा किछुदेर बैँस स्थिर त होउ।”
हमरा बैसलाय तैयार नहि देखि,” प्लीज किछुदेर हमरालेल।”
हम ओहिठामक ओहिठाम रहिजाइत छी।सरक कहल ई लाइन हमर हियाके झिझोरि देने छल।सच कही त दर्दो परायल सन लाग लागलछल।हम जाक बैसजाति छी।आँखि हमर निचा ताकिरहल छल।सर हमरा देखरहल छलखिन।किछुदेर बाद सर मोबाइल उठा कहैत छथिन ,”त ठीक छै हम म्याकके फोन करैत छी अँहा हुनके कहियौन।”
“नो सर!पलीज!सी नोज।”हम उठिक सरके लगमे पँहुचगेल छलौ।
“अच्छा ठीक छै।कोनो दिक्कत त नहि हायत!”
“नोर सर!आब हम जाउ।”
“काल्हि तँ एबै ने?”
“जी सर सियोर।”
“ठीक छै अँहा जाउ।काल्हि अबिते हमरा भेटिक कहब कोना छी आब!”
“जरुर सर!थैक्स सर!बाइ सर!”
हम बिदा भजाति छी मुदा अपन हृदयक एककोनामे सरके कहल ओ लाइन सजालति छी।हम उवाह सिन अपन आँखिमे पसारि घरके लेल चलिदति छै।बड नीक लागिरहल छल हमरा इह इमोशनल टच।अखन बुझबामे आबिरहल छल कतेक पैघ होइत छै इ टच।जादुक छडी सँ सेहो बढिक जे मोन उमंगित कदेने छल त एट द सेम टाइम दर्दो हरिलेने छल।दर्दक पीरा सँ एतबे टाके सुटक्ल मुह अखन पसरिक छितनार भगेल छल।

भान्स भगेल छल।एज पर डेली रुटिन हम सबकिछु करैत छी।हमरा उन्टे होइय।लोक उदास भेला सँ खेनाइ छोरिदति छै मुदा हम ओहि दिन आउर डबल ट्रिपल खाइत छि।पत्ता नहि कुन खाकी ढुकि जाइय।सभगोटे सुतिरहल छलखिन मुदा हमर आँखिमे निनक जगह नोरक धार छल।ननस्ठप धार बहिरहल छल।गेरुवो ओहि सँ दुर नहि रहि पायल छल।फेउर
सरके कहल बात कानमे गुजिंजाइय जे हमरा लग कुनो आश लक नहि आयब।आँखिक नोरक गति बढिजाइय।कुहेशा फाटिजाइय।नोर पोछैत करोट फेरैत छी।साँसलेब कठिनाई भेल सन लाग लगैय।दम उपरे उपरे चल लगैय।रहि रहिक हुनकर कहल इ लाइन हमरा हर्ट कयरहल छल! हमरा सुतल नहि होइय।उठिक किचेनमे जाय चाय बनब लगैछी।चाय पिबैत ल्यापटप खोलैत छी।टाइप बाहेक आउर चिजमे कम्पयुटरमे जिरो हम।मोबाइलक युटुबमे जाक सर्च करैत छी कोना पिक राखल आउर मेथेमेटिकल चिज लिखल जाइत छै।ओकरा बहुत गर सँ देखैत छी।

नहि जे होउक हम कोइशन आई एनी हाउ कम्पलिट कक रहबे ।अहिलेल ने सर हमरा फेउर हमर रुकल नोर बह लगैत अछि।अपनाके खोदियार लगैछी जे कहु हमरा सँ कतौ कुनो आउर गलती त नहि भगेल अछि।हम दिन होइत बितल हप्ता मे पँहुचैछी।मुदा कतौ किछु भनक नहि मिलैय।भय सकैय जे हमरा नजरमे सही होउक सरके गलत लाषल होइ।अपनाके सम्हारैत हम चाय पिब लगैत छी।

टाइप फटाफट करलगैत छी।राति त हमरालेल रुकबाला नहि ने छलै त हमरो जिद्द बिना समाप्त केने सुतबै नहि।बुझल छल हमरा जे पूरा करैत करैत पक्के परात भजेतै।सायह भेलै युटुबक सहारा सँ काज त पुर्ण कलेलियइ मगर भोररबा भगेल छलै।ज्याह किछुदेर अछि सुतिरहैछी कहि सबकिछु समैट कय सुतजाइछी।

मोबाइलमे अलार्म टेटिया रहल छल।सेन्स कहिरहल छल मुदा आँखि खुजक नाम नहि लयरहल छल मानु जेना उपरका पपनी चुम्बक आर निचका लोहा होइ।हाथक सहारा सँ अलार्म बन्द करैतछी।सुति त नहि सकैछली ताय मोनके कुझबति उठी अपन दिनचर्यामे लागि जाइत छी।चाय बना सभलेल लयजाइत छी।
“कि भेल?ठीक त छी ने?”,माँ पुछै छथिन।
“जी जी हम ठीक छी।”,हम धरफराइत बाजि उठैत छी।मुदा माँ के कहब सुनि स्तब्ध रहिजाति छी।
“ठीक छी तँ भरि रातिमे पाँचेबेर चाय किया ? घरमे तँ किछु भेल नहि देखैत छी! बुझाइय टी एल टी सँ किछु —–”
“जी जी तेहन किछु नहि।”
“से त जानब अहि।इ ल्यापटप सँग कहिया सँ सिनेह जुरिगेल? लगैय जेना फेउर रातिमे किछुक जिद्द छल! डर लगैत रहैय हमरा कहियो अहि जिद्दक कारण —-।”कनिदेर चुपरहि,” इयाह त कनिक दिन भेल केहन बेसुद्धि भगेल छलि माइग्रेनके कारण।अपना तँ जे हायत से हायत इ बुढियाके कुन मतलब?”
“नहि माँ ,ई कि बाजिरहल छथि?तेहन किछु नहि छै।”बजैत हम माँ लग पँहुचजाति छी।
“किछु कहब तँ ने बुझब!इयाह एकटा बानि सँ अँहाक हम बड परेशान रहैतछी।किछु बजबे नहि करब? मानैछी हमरा सँ तेहन कुनो हेल्प नहि भसकैय मुदा अपन मोन तँ हलुक भजायत।कि कहु अँहाके? कुनो छोट बच्चा छी!कुन बौकीपन छुलैय नहि जानि।”
“तेहन किछु नहि छै माँ।”,कहैत
माँके हाथ सँ खाली चायक कप लति भानसमे पँहुचति छी।

माँके हमर सबटा करामत पर नजर देखि हम आश्चर्यचकित रहिजाति छी।कि कहियनि हम माँके? बेकारमे झुठफुसके कि टेन्सन दियनि? आइ मोन हरुसत लागिरहल छल।कुनो देहमे फुर्तिए नहि बुझारहल छल।हमरा अलेटले करैत देखि–
“कि स्कुल जायके बेर नहि भेलैय?”
” जी आई नहि जायके मोन करैय?”
“पक्के किछु कहिदेनेछथि सर?”
“नहि नहि तेहन किछु नहि छै।”
“हँ ओ बेचारा बडा भलाआदमी छथिन।”
” नहि इ देखने छथिन! नहि कोनो भेटघाट!तब ई कोना जनलखिन?”
हमरा यादो नहि रहल कोना हमरा मुह सँ निकलि गेल।
“अहिलाय देखासुनी आर भेटघाटके कुन जरुरत ।अँहाके आँखिमे सरके प्रति विश्वास आर भरोसा देख कहलौह।”

बात तँ सहीए छलै।अतेक होइतोमे हमरा सर प्रति ओतबे विश्वास आर भरोसा छल।हम स्कुल पँहुच सरके कोइश्चन बुझादति छि। सर हमर मुह कनिक देर ताकि —
“ईट्स गुड!नाउ आइ वील वर्क अन इट !”
कहैत हँसैत मुट्ठीबला सिग्नल सो करैत छथिन।सरके एना देखब हमरा बड निक लगैय।

अहिके बाद सँ हमरा आर सर बीच तेहन कुनो कम्निकेशन नहि भेल छल।हम नयाँ टितर होबक नाते बेर बेर सम्झाबैत बुझाबति रहबाला `कोना कि भय रहल अछि ´सेहो नहि अहिबिचमे पुछनेछलथिन।हम सब किछु अपने ढंग सँ म्यानेज कर‌ैत जारहल छलौ।अहिठामक हटले एक्जाम सिस्टम रहितो हमरा किछु नहि कहआयल छलथि।आन टितर सब पुरान रहितौ बेर बेर जाक-बजाक सम्झाबति- बुझाबति छलखिन।हम पुरापुरी सियोर भगेल छलौ जे किछु त पक्के हमरा सँ गलती भेल अछि ताय सर एना हमरा सँ छिटकि रहल छथि।कोनो उपायो तँ नहि छल सँग हमरा जकरा सँ जानि सकैतछलौ।हम किछु पुछितो छलियै त बड सर्टकटमे जबाब दति छलखिन।हमहु मोनके मनाक अपने सबकिछु अपना ढंग सँ करलगलौ।करबो कि करितौत?अपसनलेस जे छलौ।

एकदिन हम टिचर एक्सचेञ्ज रुममे मोबाइलमे किछु सर्च कयरहल छली।तखज सर पँहुचति छथिन।सभटिचर सभ सतर्क भजाति छै।हम अपन जहिना छलौ तहिना रहैत छी।हमरा एना देखि सर कहैत छथिन,”मोबाइलमे कामेके काज भयरहलछै ने?”
” यस सर,यु केन सी।”, कहैत हम मोबाइल घुमाक देखबलागल काल मोबाइल हाथ सँ छुटि ट्रेमे खसि परैय।
“आइ नो।आइ हेव फुल ट्रस्ट अन यु।”
हम तँ अवाके रहिजातिछी ।खुशीक सिमा
नहि रहिजाति अछि।
“थैक्यु सर।”

सरक कहल इ लानि जेना छुमन्तर कयगेल होय हमरा।रोमरोम पुलकित भय उठल छल।माँके कहल बात सच लागिरहल छल जे `अहिके पाछु भसकैय सर अँहाके कम्पुयटरोके ज्ञान आर्जन करबाब चाहैत होयत।´सायद हमर लगन आर हमरा प्रतीक भरोसा चलते हमरा किछु बुझब-सुझब नहि अबैत छलखिन।एक्जामिनेशन पिरियड होबाक चलते इ जानल बात छलै जे सरक व्यवस्ता बढिगेल छलै।ओहो एकटा कारण भयसकैत छै । हम बेकारमे अनढनके तिलके पहाड बना चलल छलौ।ई शंको बडा खराब चीज होइत छै।बिना कुनो वजहे लंका डाह लगैत छै।नाक पसरि जाइय हमर फेउर कानमे सरक कहल लाइन गुंजि—
“आइ नो।आइ हेव फुल ट्रस्ट अन यु।”

 

कथा लेखक-सुधा मिश्र                                
महोत्तरी (हाल काठमाडौ)

Discussion about this post

Related Posts

मधेश प्रदेशस्तरीय बाल क्लब सञ्जाल गठन, अध्यक्षमा शिवकुमार सदा चयन

मधेश प्रदेशस्तरीय बाल क्लब सञ्जाल गठन, अध्यक्षमा शिवकुमार सदा चयन

स्वास्थ्यकर्मी र शिक्षकलाई अपाङ्गता समावेशीकरण तथा मानव अधिकारसम्बन्धी तालिम

स्वास्थ्यकर्मी र शिक्षकलाई अपाङ्गता समावेशीकरण तथा मानव अधिकारसम्बन्धी तालिम

धनुषाको गोबराहीमा एनसेल मोबाइल टावर स्थापना गर्न माग, सन्तोष यादवद्वारा ज्ञापनपत्र

धनुषाको गोबराहीमा एनसेल मोबाइल टावर स्थापना गर्न माग, सन्तोष यादवद्वारा ज्ञापनपत्र

धारा १६८(२) अनुसार सरकार गठन हुन नसके १६८(३) को प्रक्रिया अघि बढाउनुपर्छ : मुहम्मद नईम राइन

धारा १६८(२) अनुसार सरकार गठन हुन नसके १६८(३) को प्रक्रिया अघि बढाउनुपर्छ : मुहम्मद नईम राइन

जनकपुरधाममा २ दिने प्रदेशस्तरीय बाल भेला तथा बाल क्लब सञ्जाल गठन र र क्षमता विकास कार्यशाला कार्यशाला शुरु

जनकपुरधाममा २ दिने प्रदेशस्तरीय बाल भेला तथा बाल क्लब सञ्जाल गठन र र क्षमता विकास कार्यशाला कार्यशाला शुरु

महोत्तरी : उखुबारीमा ६५ वर्षीया महिलाको शव फेला, हत्या भएको हुन सक्ने आशंका

महोत्तरी : उखुबारीमा ६५ वर्षीया महिलाको शव फेला, हत्या भएको हुन सक्ने आशंका

प्रेमिका भेट्न गएका युवक मृत फेला

प्रेमिका भेट्न गएका युवक मृत फेला

विवाहपञ्चमी महामहोत्सवको तयारी सुरु, व्यवस्थापनका लागि विभिन्न समिति गठन

विवाहपञ्चमी महामहोत्सवको तयारी सुरु, व्यवस्थापनका लागि विभिन्न समिति गठन

कांग्रेसको १५औँ महाधिवेशन मंसिर २१ देखि, मधेश प्रदेश अधिवेशन १४ गते जनकपुरमा हुने : विमलेन्द्र निधि

कांग्रेसको १५औँ महाधिवेशन मंसिर २१ देखि, मधेश प्रदेश अधिवेशन १४ गते जनकपुरमा हुने : विमलेन्द्र निधि

सामुदायिक शिक्षा सुधारको जिम्मेवारी स्थानीय तहले लिनुपर्छ : पूर्वराष्ट्रपति यादव

सामुदायिक शिक्षा सुधारको जिम्मेवारी स्थानीय तहले लिनुपर्छ : पूर्वराष्ट्रपति यादव

Advertisement

Advertisement

Advertisement

nepalvani-nepalvani.com

ताजा र खोजमूलक समाचार, विचार, विश्लेषण र अन्तर्वार्ता निरन्तर सम्प्रेषण गर्दै जानेछ । राष्ट्रियता, लोकतन्त्र, नागरिक अधिकार, सुशासन र प्रेस स्वतन्त्रताका सवालमा कहिल्यै कसैसँग सम्झौता गर्ने छैन । अनलाइन पत्रिकाको रुपमा निरन्तर सुचना प्रवाहमा जागरुक रहन्छ ।

जय माँ राजदेवी मिडिया हाउस द्वारा संचालित
सजिलो पोष्ट डटकम अनलाइन
सम्पर्क कार्यालय:-जनकपुरधाम-२४,धनुषा
सम्पर्क :९८०४३०१५९०
Email : [email protected]
Website : www.sajilopost.com


 सूचना विभाग दर्ता नं. : ३९२१-०७९/८० 
 प्रेस काउन्सिल दर्ता नं. : ३९०९-०७९/८० 

अध्यक्ष/सञ्चालक-संगीता कुमारी साह

कार्यकारी सम्पादक-गिरिजानन्द साह
सम्पादक-विशुन देव सरदार

This page has been visited: web counter © 2021 SajiloPost.com

  • Privacy Policy
No Result
View All Result
  • गृहपृष्ठ
  • समाचार
  • प्रदेश
    • कोशी प्रदेश
    • मधेश प्रदेश
    • बागमती प्रदेश
    • कर्णाली प्रदेश
    • लुम्बिनी प्रदेश
    • गण्डकी प्रदेश
    • सुदूरपश्चिम प्रदेश
  • राजनीति
  • समाज
    • कृषि
    • स्वास्थ्य
    • शिक्षा
    • अर्थ/वाणीज्य
  • विचार
  • खेलकुद
  • मनोरञ्जन
  • अन्तराष्ट्रिय
  • विविध
    • ब्लग
    • रोचक विश्व
    • अन्तर्वार्ता
    • पत्र-पत्रिका
    • राशिफल
    • जीवन शैली
    • फोटो ग्यलरी
    • विज्ञान/प्राविधि