nepalvani-nepalvani.com
  • गृहपृष्ठ
  • समाचार
  • प्रदेश
    • कोशी प्रदेश
    • मधेश प्रदेश
    • बागमती प्रदेश
    • कर्णाली प्रदेश
    • लुम्बिनी प्रदेश
    • गण्डकी प्रदेश
    • सुदूरपश्चिम प्रदेश
  • राजनीति
  • समाज
    • कृषि
    • स्वास्थ्य
    • शिक्षा
    • अर्थ/वाणीज्य
  • विचार
  • खेलकुद
  • मनोरञ्जन
  • अन्तराष्ट्रिय
  • विविध
    • ब्लग
    • रोचक विश्व
    • अन्तर्वार्ता
    • पत्र-पत्रिका
    • राशिफल
    • जीवन शैली
    • फोटो ग्यलरी
    • विज्ञान/प्राविधि
No Result
View All Result
ई-पेपर
  • गृहपृष्ठ
  • समाचार
  • प्रदेश
    • कोशी प्रदेश
    • मधेश प्रदेश
    • बागमती प्रदेश
    • कर्णाली प्रदेश
    • लुम्बिनी प्रदेश
    • गण्डकी प्रदेश
    • सुदूरपश्चिम प्रदेश
  • राजनीति
  • समाज
    • कृषि
    • स्वास्थ्य
    • शिक्षा
    • अर्थ/वाणीज्य
  • विचार
  • खेलकुद
  • मनोरञ्जन
  • अन्तराष्ट्रिय
  • विविध
    • ब्लग
    • रोचक विश्व
    • अन्तर्वार्ता
    • पत्र-पत्रिका
    • राशिफल
    • जीवन शैली
    • फोटो ग्यलरी
    • विज्ञान/प्राविधि
No Result
View All Result

sajilo_post, Sajilopostkhabar, news khabar, nepal khabar, pradesh khabar, siraha times, siraha khabar, siraha post, sirahadialy
No Result
View All Result

मैथिली कथा-भेटजाइत हमरो वाल्मीकिक आश्रम

सजिलो पोस्ट सजिलो पोस्ट
कार्तिक १४, २०८०, ७:५२ मध्यान्ह
मैथिली कथा-भेटजाइत हमरो वाल्मीकिक आश्रम

सत्या अपने सँ लागि भगवानक पुजाक एक एकटा समान गाडीमे लोड करबारहल छलै।किछु छुटै नहि कहिक पुजाक सब समान एकही ठाम ओरिया ओरियाक धेने छलै।गाडीमे सबटा समान पठेलाक बाद एकबेर निक जाक अपन आँखिके घुमाक चारुकात सउसे तकैत छै जे कहु कोनो समान रहि त नहि गेलैय अहिठाम।
कुनो समान छुटल नहि देखि दौडक जाक गाडीमे देखै छै समान मिलाक धायल छकि कि नहि? कुनो कुनो समानके मिलल नहि देखि ओकरा निक सँ मिलाक धरैत छै।प्रसादक बट्टाके खपाक धरैत छै जे कनिमनि गाडीके हिललोडोलला सँ छिलकै नहि।फुलक डाली नहि देखि घरमे पँहुचति छै लाब जे दोसरठाम तुलसीक चौरा लग धायल छलै।
साउसके अपना बजबति सुनि फुलक डाली दोसरके हाथमे दति,”कनि अकरा जाक गाडीमे धयअबियौत। अहिठाम रहिगेल छै।”कहैत अपन माथपरक आँचर निक सँ सरियबैत साउस लग पँहुचति छै।
“जी माँ कहथ ।”
“देखु त इ साडीके कोचा कोना छितनाार भेलसन लगै छै कनि मिलाउ त।”
सत्या कोचाके अपन दुनु हाथ सँ जाति जातिक मिलब लग‌ैत छै।
“सब समान धदेलियैय ने! कहु एकोटा छुटै नहि!”
“जी माँ, निश्चित भक जायत।तेहन किछु छुटल नहि छै।।”
“बुढबाके दैखैत रहबै।दिनमे रहैत छै दस फेरा लगोने।आइ आर ककरो नहिदेखिक
दसबेर पुछलेबात पुछता।अँहु त जनिते छी।”
” जी माँ।हम जनैछियैन बाबाके।कनि विशेष सबके ख्याल रखैत छथिन।अहुना बयस विशेष कटिगेल छनि त कोना सब बात याद रहौन।आउर किछु त जेना तेना हिनका आँगनमे नहि देखि घुरिफिर घुरिफिर एकेटा बात बजथिन “विवेकबा मायके नहि देखैछियै।फेउर त मोन नहि खराब भगेलै ? हुनका बदलामे हमरा अहि बुढसुढके भजाति त भगवान लग चलिजैत‍ौ।भगवान हुनका अहि उमरमे बड कष्ट देने छनि।”

” सही कहलौह।आइए नहि सदान्तिए सँ।हमरा उपर कनि बेसिए सिनेह रहल छनि।साउस नहि रहैथ।मुदा दुरागमन भक एलाक बाद नहि किछुवो लाय खगदेलथि।देखियौ त हम अत गफमे लागल छियै ।ओत ओ अपने कहैत हेथिन कि कय रहल छै अखन धरि ? हेतै हम जाइछी मन्दिरक पुजा छै जल्दीए भजेतै।प्रसाद सब तखने पठादेब।कहिया सँ रट लगेने छै मायगे हम झुला नहि देखने छी आन कहियो झुला देख जायब । ताय सोचलौह आइ राति ओकरे लग रही ओकरा झुला देखादियै।बाबूओ कहु ओतै बेटिए लग रहथा रातिमे। साँझेसकाले बाबा खाइए लैछथिन।केबार सब निक जाक बन्द कय रहब।देखत चाची असगरे छै त ओ छौरी अपने दौरल आयत।लगैत रहैछै जेना ओकर परान अहिमे बैसल होइ।यम्हर ककरो तिल भरि नहि गुदानै छै आर अँहाके कहल जेना भगवतीक प्रसाद होइ।मजाल छै जे केउ ओकरा सामनेमे अँहाक बारेमे मजाकोमे किछु बाजिदो।जाय अँहा ताय अखन बाबापितियाके स्थिर भय सुनबो करैछै।सब सँ खुशीक बात जे सबदिन फेल होइत आबबाली अहिबेर बन्हिया नम्बर सँ पास भेलैय।चबुतरो पर लोक चर्चा करैत रहैय अँहाक जे विवेकबाके कनिया गामक बच्चाके लेल लगैछै देवदूते बनिक आयल होइ।तारिदेलकै अहि गामके।नरहेर बनिक बौवाइत रहबाला धियापुतासभके लाइन परक आनिदेलकै।”

साउसके बिना चस्मे पहिरने गेल देखि चस्मा लय बाहर पँहुचति छै सत्या ।सत्याके हाथमे चस्मा देखि,”ओहिना नहि लोक कहैय हमरा बड भाग बनाक पुतहु पेने छी।बिना चस्माके केना कि करितियइ हम ?” कनिक भावुक होइत फेउर बजैत छथिन ,” सहिगेल छी।किछु फलहार कलेब।पुजा खतम होइते हम फोन कदेब।बुढबा अबिते हायत खाय।भोर सँ त यम्हरे लागल छी ।जाउ जाक भानसक ओरियान करुग।भेल छकि कि नहि बिनु बुझनहि खायलाय जे बसिजाइत छथिन।”

उवाह भेलै यम्हर सबगोटे निकललखिन उम्हर अजिया ससुर `रिझि गेला भवानी जोगियामे रिझिगेला भवानी भंगियामे´ गबैत पँहुच गेलखिन।भानस त नहि भेल छै कहि सत्या फलफुल आनि बाबाके खायला दति छै।
“आइ फलफुल सब छै।कुनो बात नहि ! हमरा त ईह आम आ नासपाती बड निक लगैय।केराके दुधमे सानिक खालेबै।मजा चलि एलै आइ त।दुधमे चिनी धय देने छथिन ने,”कहैत सत्या दिस तकैत छथिन।
सत्या जी मे माथ डोलाबति छै।बाबाके खायल भगेल देखि बडका बाटीमे चाय आनिदति छै।
हँसैत बाबा कहैत छथिन,” ई चाय हमरालेल छै !”
“जी”,धिरे सँ सत्या कहैत छै।
चायके एक सीप लैत,” वाह कतेक सुन्दर चाय।मोन जुरागेल।ओहिना नहि हम भरि गाममे धाक लगबति छियै हमरा पुतहु सनके ककरो पुतहु छौ ?हमर पुतहु साक्षात लक्षमी छथि लक्षमी।प्रोफेसर रहियोक घरक सबटा काज करैत छथिन।सबढंगक लुइर छन्हि।एहन सभ्य सुशील लोक आब कतक भेटतै? ताय त विवेकबा मायके कहैत रहैछियै किछु नहि कहथुन हुनका।ओ लक्षमी आर सरस्वती दुनुके समागम छथिन।कनि खाइ पिबैत कैला नहि छथि? एकेबेर अतेक दुबर आदमी कहु ठीक भेलैय? परपोताके बड मोन होइय मुह देखलितौ।किछुके सेहेन्ता नहि रहिगेल अछि आब।बस एकटा परपोताके छठियारमे अपन डारक डराडोरि पहिराबक मोन रहिगेल अछि ।पत्ता नहि अहि विवेकबाके कि भगेल छै ?किछु त जरुर छै! कोना नहि ककरो देखाइत छै?ओहि छरा जकरा हम कहियो नहि किछु कहि आयल तकर नामे सँ आब पित लहरि जाइय।नहि जानि राजधानीमे कुन माया मोह बैसल छै जे गाम बिसरल अछि।हमर बस चलितैत डेंगाबति घर लबितियै।लोकके वियाह होइते बच्चाबुच्ची भजाति छै आर एकरा सभके।” आवाजमे पूरा पोताक देल पीरा देखारहल छलैन।

बाबाके एहन अपना उपर भाव पाबि सत्याके सेहो दुनु आँखि नोरागेल छलै।मोन भेलै जाक बाबाके गर्दन पकरि जोर जोर सँ भोकासि पारिक कानिक अपन पीरा नोर सँग बहाली।ओहुना ओ बाबाके अपन जीवनमे विशेष स्थान देनेछलै।आइ अहितरहसँ सबकिछु सुनि विश्वासे नहि भयरहल छलै ओकरा जे बाबाके नजर ओ सबकिछु अनुभव करपँहुच गेल छै जत दोसरके नजर देखितकि नहि सकल छै।आई ओकरा बडका सान्त्वना भेटैछै जे ओ असगर नहि छै ओकरा बुझलबला सेहो केउ छथिन।

मनेमन सोच लगैतछै,” लोक कहैत छै बुढमे आदमी सठिया जाइत छै। ककरो होशहबास नहि रहिजाति छै।बुढ बच्चा एके भजाति छै।पत्ता नहि किया हमर मोन मानलाय त‌ैयार नहि भयरहल।हमरा लगैय जेना अहि उमेरमे आबि आदमीके आउर सोचबुझ बढिजाति छै।दिमाग सँ बेसी हियके लग भजाति छै।बद्धिजिवीके जमघट किजाने गेलै हृदयजिवी कि चिज होइत छै ? सायद हृदयजिवीके उच्च सोचतक बुद्धिजीवीके पँहुचमे अखनो बहुत देर लगतै?लोक ओकर मर्म बुझ नहि सकलै त मज्जासँ कहिदेलकै बुढ सब सठियाजाइत छै।वाह रे जमाना कहियो जे अपन गलती स्वीकारितै ? आइ बुझमे आबिरहल अछि हमरा किया अतेक श्रद्धा हमरा बाबा प्रति छल। सायद
ईयाह वजह भसकैछै।”

सत्या बाबाके फेउर किछुदेर बाद आयल देखि कैला अखन खायला दियैन, कनिदेरमे आब पुजा भैयेजेतै कहि सबुरदानाक खीरजे बनाक रखने छलै ओ लक पँहुचति छै।ओहिठाम सोफा पर दियोरके देखि,” अँहा अत! अँहाके अखन पुजामे ह‍ोबक चाहिँ ने!”
“से तँ स्याह कनिक माथ दुखाइत छल त सोचलौ जे अतही चलि अबैत छी।”
“किछु खायब ? कि चाय बनादिय?”
“नहि किछु नहि।बरु कनि माथमे विक्स लगादितौ।”
विक्सक बट्टा खोलि माथमे लगाक ,”अँहा बाबा सँग बैसु हम चाय बनेने अबैत छी।बाबा सेहो पिथिन।हम बाबाके अखन भोजन नहि देलियनि जे आब जायघरीमे पुजा भैयेजेतै।” कहि सत्या चाय बनब चलिजाति छै।

अखारसाउनक महिना गरमीके कुनो लेखेजोखा नहि छलै।तरतर पसिना बहिरहल छलै।कैला कुनो गाछक एकोटा जे पत्ता डोलितै?सत्या” हमही आर बाबा त छी” से कहिक सबेरे सकाल भानस कलेने छलै।अहि गरमीमे ककरा धिपले धिपले भोजन चाहिँ ? गोसाउन घर आर तुलसीमे साँझ दय उपर छत पर जा ओहिठाम जाक बैसजाति छै जत किछु ठंडाक अनुभुति सँग बाबाके दलान पर सँ अबैत सेहो सहजे देखसकैत छलै।
बाबाके बाट तकैत खुला आकाशक निचा अपनाके सत्या गरमी सँ उबारिरहल छलै कि रस्ता पर दियोरके देखिते अकचका जाइत छै। `ई अखन कय फेउर केला एलखिन?´ ताबितेमे बाबाके सेहो आबैत देखि निचा उतरैत छै भोजन करब लाय।`फिरे शम्भुके करणमा गौरीदाइ वनमे वनमा ना अन्न तेजल , पानि तेजल , तेजल भोजनमा, बेलपात चिबाये गौरा राखल परनमा´गबैत बाबा पँहुच जाइत छथिन।

भोजन परोसि बाबाके दति सत्या देयोरके कहैत छै,”अँहुके पर‍ोसिदति छी।बाबा सँगे बसि भोजन कय लिय।”

“नहि, हम कनि देरमे बाहर सँ अबैत छी । ताबे बाबाके खाय दियौन।”

“कनि देर बाहर सँ? बाहरे सँ त अखन एलौह फेउर किया?”

“ओहिना कनिदेरमे चलिअबैत छी ने।”

“देखु केउ नहि छथिन एत।हम असगर छी।देरअबेर नहि पहिने जका करब।”

“हेय! कतेक अँहु बातके बढेने छी !हमहु बुझैछियइ।फेउर आई काल्हि चोरके तेतबे हल्ला छै।”

” ताहिलेल तँ कहैछी चुपचाप खायक कलेमचे सुति रहु।”

“बस गेलौह आर चलि अबैत छी।”
“एहन कुन एमर्जेन्सी रातिबिराति चलि आयल जे बिनु नहि गेने नहि हायत? हम अखने सुचित कयदति छी ढारिसारिक नहि आबके छै!”

“हेत‌ै भेलै।आब त अपन लेक्चर बन्द करु।”

बाबाके खायल होबलागल देखिक बाटीमेे दही चिनी धयक दति ,” सोहारि देखबति ईह दुटा धदियनि!”

“नहि एकेटा धरत ।मारि प्रसाद खालेनेछी से पेटमे जगह नहि बुझारहल अछि।”
सोहारी राखैत,”आउर किछु लेने अबियैन?”

“नहि सबकिछु अछिए।”

“अलुक सन्ना!”,सत्याके बुझल छलै अहिमे बाबा नहि, नहि कहथिन।
“हँ ओ कनि लेने आबथ”,कहि बाबा हँस लगैछथिन।

सत्या घरमे टाँगल घडी दिस रहि रहिक ताकैत छलै।बेर भागल जा रहल छलै मुदा दियोरके कुनो अतापता नहि।ओकरा अपना भुख लागिगेल छल‌ै।घडीमे दस बाज लागल देखि`पक्के इ आदमी ढारिरहल छथिन।एनाक कहलोके बाद कुनो फैदा नहि।पत्ता नहि ई कुन एहन रस छै जे कंठ जरबितोमे चुस्की लक हर्षित भय पिबैत छै लोक।हम जाक खाल‌ैछी।भुख लागिगेल अछि।हुनकर आबके हमरा कुनो ठेकाने नहि बुझारहल अछि। माँ छथिन नहि जे ककरो कहिक बजबेथिन।आब हमरा बुझाइय टिल्ल भइएक सिगरेट धुकैत एथिन।घर आँगन भबकतै!´

उवाह भेलै भरला रातिमे आबि गेट पिटैछथिन,” केबार खोल! केबार!”

सत्या चुपचाप केबार खोलिक कह‌ैत छै,” भोजन परोसिदति छी।”

“कथि सब छै?”
“उवाह दालि स‍ोहारि भात तरकारी , जे होइत छै।” ,उखरल मोन सँ कहैत छै।
“भौजी पितागेलौ।हम त कसम खालेने छलिय आब दारुके हाथ लगाब त दुर कहियो ओकरा दिस नजर उठाक सेहो नहि देखबै।मुदा ओ छरा नग्गोटिया साथी भेट गेल से मानबे नहि केलक।ओकरे मोन राखलाय कनि विध कलेलिय।”

सत्या भोजन आनि खायलाय दति छै।एक दु कर खाय थारी ए मे हाथ धोय सुत चलि जाति छै।सत्या यम्हर भनसा घरक काजमे लागि जाति छै। भौजी भौजी मारि हल्ला करैत सुनि सत्या लगमे पँहुचति,”जी कहु कि भेल?”
” नहि किछु ।ओहिना बुझलाय जे अँहा अाब केना छी।नहि पिताउन भौजी।अँहा सभके कतेक पसिन परैछियै।हमर साथी सभ त अँहाक बडाइ करैत नहि थकैय।हमरो बड लालसा रहे जे भगवान हमरो अँहिसनक कनिया दितथि।अपन सोचल थोरबे होइत छै !भैया सँ गफ भेल छल अपन दुनियाँमे मस्त छथिन।ओहो महफिल जमेने छलखिन साथी भाइ सँग।दारु पार्टी चलिरहल छलै।अँहाके असगर एना नहि नीक लगैत हायत ने।हुनका केय कि कहौन? मार जुत्ता सारके कहलगैछथिन।”
” पानि बोतल मे धय देने छी पियासतियास लागत तँ पिलेब।कलेमचे आब सुतिरहु बड राति भगेल छै।अखने बाहरके लोक सुनत तँ कि कहत ? रातिबिराति कतेक कचबच कचबच केने छै ?”,बीचही मे सत्या बाइज उठैत छै।

सत्या अपना घरमे आबि ओछ्यान पर परिते छै कि फेउर भौजी भौजीक आवाज सुनि अनसोहाय मोन लय पँहुच ” जी कि भेल आब ?”
” हमरा डर लगैय।अँहु अहि घरमे सुतिरहुन।”
“कथुके डर नहि छै ?चुपचाप सुति रहु हम केबार सटा दति छौ।”
“बड पियास लागल बुझाइय।कनिक एक गिलास पानि जे दितौ पिबलेल।”
सत्या गिलासमे पानि ढारि बढबति छै।एक घोट पानी पिब गिलास बढादति छै।
“इयाह बड जोर सँ पियास लागल छल!”कहैत सत्या निकल लगैत छै त ओकरा अपन आँचर तनाइतके वजह सँ आगु पयर नहि उठैछै।पाछा मुडिक तकैत छै त दियोरके हाथमे आँचर देखैत छै।दिवोर आँचरके हाथमे नुरियबति फेउर तानके कारण सत्या सिधे दियोर सँ जा टकराति छै।सत्याके अपन दियोरके इ हरकत सँ बड पित लहरति छै।तैयो अपनाके सम्हारति,” इ कुन बचकाना भेलै?”आँचर तानैत, “हमर आँचर छोरु।”
“एक सर्त पर।अहु अहि घरमे सुतु।”
“पहिले हम कहिरहल छी हमर आँचर छोरु।हमरा एहन मजाक बिलकुल पसिन नहि।”
“हम मजाक नहि सच कहिरहल।पहिने अँहा हँ कहु।”
सत्या पिते आगिबबुला भजाति,” अँहाके सुनाइ नहि दयरहल!”
“नहि कनियो नहि।पहिने हमरा हँ कहु।”
सत्या बुझिगेल छलै ओ एना मानबाला नहि छथि।ताय अपनाके स्थिर कय कहैत छै,” ठीक छै।पहिने छोरु त।गिलास धरके अछि।”
“भागब त नहि?”
सत्या नहिमे माथ डोलबति छै।
” ठीक छै।गिलास धय केबार लगेने आउ।”कहि आँचर छोरिदति छै।

सत्या लंक लागिक अपना घरमे परा जाति छै।ओकरा घरमे पँहुचलाके बाद होशमे होश अबैत छै।ओछ्यान पर जा पयर मोरि घुटना पर मुह अरका अन्हार घरके निहार लगैत छै।सांसक गति धिमि नहि परल छलै।आँखिमे सँ नोरक धार बह लागल छलै।ओकर दिमाग सन्न रहिगेल छलै दियोरक अहितरहक चालि देखि।भित्तरे भित्तरे कुहेशा फाटिरहल छलै।रहिरहिक सबटा बात सिनेमाक रिलजाक घुरिफिर घुरिफिर आँखि लग आबि नाचिजाइ छलै।मोन शान्तो नहि भयपायल छलै कि देवोरके भौजी भौजी बडबडाइत अपना घर दिस अबैत ओकरा बुझाइत छै।हबर सन उठिक ओ केबारक छिटकिली भरिलति छै।

दिवोर आबि केबारके धेकलति छै।नहि खुजला पर केबार पिटैत कनि खोलु तँ काज अछि।
” कि भेल आब?”
“खोलु न कनिक काज अछि।”
“कुन काज अछि से?”
“कनि दबाइ लेबाक अछि।”
“ओ अहिघरमे नहि लिभिङ रुममे छै।”
“खोलु न हमरा अँहा सँग रहके मोन होइय।सच कहैछी इ बात हमरे आर अँहा बीचमे रहत।बडी मोका मिलल अछि आइ हमरा।भौजी हम अँहाक कोमल स्पर्श लाय सचमे बड लालायित छी।सबदिन रातिक अँहा सँग सपनाइत रहैछी।”
सत्याके मोन होइछै जाक ओहि मुह पर एहन थप्पड मारि से जीवन भरिलाय भुलि जेतै एहन बातक पहिलको अक्षर सोच।भित्तरे सँ बजैत छै,” अँहाके कनियो विचार नहि रहिगेल अछि।जानवर भगेल छी।जेठ भौजाइ माय तुल्य होइछै।”
” हे भौजी।खोलु न केबार मानिजाउ हमर बात।माय कसम हम ककरो नहि कहबै।अँहा जहिना जहिना कहब हम तहिना तहिना करब।हे हम अहिलेल आयल छी।मोन बड बयाकुल भयचुकल छी।तनमे सेहो उकुसमुकुस भयरहल।”
सत्या किछु नहि बाजि गुबकी लादि दति छै।
पहिने सँ बेसी जोर सँ केबार पिटैत,”हमरा बड जोर माथ दुखारहल अछि।कनिक भिक्स अपन हाथ सँ लगा त दिय।जलदी केबार खोलु त।”
अपन सब बहानाबाजीके बाबजुदो सत्याके सुगबुगाति नहि देखि केबारके जोरजोर सँ पिटलग‌त छै।त‌ैयो कुनो तरहक जबाब नहि पाबि केबार जबरजस्ती खोलके मनशाय सँ लातेलात केबार पर पिट‌ैत अभद्र बोलीक वर्षा करलगैत छै।सत्या इ सब देखसुनि कहु छिटकिली टुटि नहि जाइ कहिक केबारके ठेल‌ैत ठार भजाति छै।

सत्याके देवोर पर लगैत छलै भुत सवार भगेल होइ।ओहन रातिमे केबारके डमाडम पिटरहल छलै बदन पर ठीक ढंग सँ कपडा नहि छलै।भितर कामक आगि धडकि रहल छलै।अपन पुरा दिमाग आर बल केबार तोर पर लगादेने छलै।करिब इयाह क्रम निरन्तर डेर दु घंटा चलल हेतै।सत्या मोनेमन हे माँ भगवती हे माँ भगवतीक जाप करहल छलै।ओकरा अपना बचबके इहे एक अन्तिम विकल्प देखारहल छलै।

सत्याके मुनल आँखि तखन खुल‌छै जखन ओकर कानके केबारक पिटनाइ आ अटर पटर सुनाइ बन्द होइत छै।तैयो सत्याक हाथ केबार ठेलिए रहल छलै।केबार लग ठार सत्याके डरायल देह आर नोरायल नयन देखि ककरो आत्मा काँपिजेतै।जखन ओकरा कानमे सुतल देवोरके फोफ सुनाइत छै त लगैछै जेना ओकर परानमे परान लौटयाल होइ। ओ अोछयान पर आबि बैसछै।ओकर आँखि केबारक छिटकली पर जाय परैत छै।ओ आश्चर्यचकित रहिजाइत छै जे एहन अधेलटकल छिटकिली कोनाक अतेक सबकिछु थमने हेतै ? पक्के इ माँ देवीके प्रताप छनि ।ओ दुनु हाथ जोरिक माँ भगवतीके नमन करैत छै।अपना अहि कठिन परिस्थिति सँ उबारक लेल फेउर सँ शिष झुका नमन कर‌ैत छै।कापैत हाथ सँ नोर पोछि बाहर तकैछै बाहर देवोरके नहि देखि अपनाके शान्त करलाय ओछ्यान पर परि सुरुज देवके बाट ताक लगैत छै।

सुरुजक निकलल लाली सँग ओहो घर छोरि निकलि गेल छलै।जाय सँ पहिने जाक बाबाके पयर छुबि गोर लगैत छै।बाबा ओकर आँगुरक स्पर्श चिन्हि,” कनियाँ कनियाँ” ” बाजि आँखि खोलि जाबे तकथिन ताबे “बाबा हम जायरहल छी।हमरा माफ करिहति।अपने निक सँ रहियथि”, कहि निकैल गेल छलै।नयन त देखैत शान्त लगितो भित्र ज्वालामुखी धदकि रहल छलै सत्याके।

सत्याके सँगमे किछु नहि भेलाक कारण एकटा पिसियो सप सँ विवेकके फोन करैत छै। उम्हर सँ हेलो सुनि यम्हरो सँ सत्या हेलो कहैत छै मुदा ओकरा आउर किछु बाजल नहि होइत छै।
“कि भेल ? ओ छरा किछु केलक कि?”
“अँहाके बुझल छल ओ अहिठाम–!”
“हँ आब सँ पहिने भैया हम गाम जारहल छी आर एकबेर रातिमे चबुतरा पर सँ सेहो फोन केने रहे।कि केलक ओ? किछु केलक?
“मतलब?”
” अँहाके एना देखि लागिरहल अछि कहि किछु भेल तँ नहि।कि भेल रातिमे?”
“कि भेल रातिमे मतलब?”
“ओ किछु केलक त नहि ?”
सत्याके धिरजके बाण टुटिजाति छै।ओकरा आश्चर्य लगैत छै एकटा पति जे पत्नीक आबरुके हरहालमे रक्षा करैत छै तकरा कुनो मतलबे नहि बुझारहल छलै?उल्टे प्रतिक्षारत लागिरहल छलै रातिक बातलेल।जेना ओहो अहिमे सामिल——-।छि छि छि —–भगवान कुनो पत्नीके एहन दिन नहि देखबथुन।मोनेमन बडबडाइ छै।
“कि हेतै? किछु नहि भेलैय ?अपन अभद्र रुप प्रकट केलथि भाइ।सत्याके केउ बिना ओकर मर्जीके छु तकि नहि सकैछै।,”कहि फोन राखिदति छै।

ओकरा याद परिजाइत छै ओ राति जाहि दिन ओकर पति अपना सँग अपन जेठ बहिनोइके ओछ्यान पर सुतेने रहै आर ओकरा कहलकै तु बीचमे आबि सुत। सत्या नहि रहै मानने।अहि हरकतके लेल नहि ओकर जेठ बहिनोइएके कुनो लाज छलै नहि घरेके लोकके कुनो एतराज।

ओहि घरक आदमी सँ कि कहितै सत्या? के पतियैतै ओकर कहल आजुक बात ?सब अपन बेटा भायके पक्ष लितै।सत्याके बुझल छलै इ बात ।

बेर बेर सत्याके कष्ट पँहुचबति रहैछै ओ दिन जहिया ओ अपन देवोरके अभद्र शब्द युजकय करैत मजाक पर पितायल रहै त केउ ओकर साथ नहि देने रह‌ै।बल्कि सभ ओकरे उन्टा गोनर ओढा देने रहै कहि जे देवोर भौजाइमे इह सब चलैछै।

सत्याम डेग अपन रफ्तारमे बढिरहल छलै। आँखि सँ अश्रुधार बहिरहल छलै।ओकरा खुद अपना पत्ता नहि छलै कत जाक रुकतै ओकर डेग ? सोचि सोचि छटपटा उठैत छलै जे, “आदमी अपनो घरमे सुरक्षित नहि छै! ।काश हमरो कतौ वाल्मीकिक आश्रम भेटजाइत। हमहु ओत बिनु किछु डरभरके आनन्दक जीवन व्यतीत कय पबितौ।”
,

Discussion about this post

Related Posts

मधेश प्रदेशस्तरीय बाल क्लब सञ्जाल गठन, अध्यक्षमा शिवकुमार सदा चयन

मधेश प्रदेशस्तरीय बाल क्लब सञ्जाल गठन, अध्यक्षमा शिवकुमार सदा चयन

स्वास्थ्यकर्मी र शिक्षकलाई अपाङ्गता समावेशीकरण तथा मानव अधिकारसम्बन्धी तालिम

स्वास्थ्यकर्मी र शिक्षकलाई अपाङ्गता समावेशीकरण तथा मानव अधिकारसम्बन्धी तालिम

धनुषाको गोबराहीमा एनसेल मोबाइल टावर स्थापना गर्न माग, सन्तोष यादवद्वारा ज्ञापनपत्र

धनुषाको गोबराहीमा एनसेल मोबाइल टावर स्थापना गर्न माग, सन्तोष यादवद्वारा ज्ञापनपत्र

धारा १६८(२) अनुसार सरकार गठन हुन नसके १६८(३) को प्रक्रिया अघि बढाउनुपर्छ : मुहम्मद नईम राइन

धारा १६८(२) अनुसार सरकार गठन हुन नसके १६८(३) को प्रक्रिया अघि बढाउनुपर्छ : मुहम्मद नईम राइन

जनकपुरधाममा २ दिने प्रदेशस्तरीय बाल भेला तथा बाल क्लब सञ्जाल गठन र र क्षमता विकास कार्यशाला कार्यशाला शुरु

जनकपुरधाममा २ दिने प्रदेशस्तरीय बाल भेला तथा बाल क्लब सञ्जाल गठन र र क्षमता विकास कार्यशाला कार्यशाला शुरु

महोत्तरी : उखुबारीमा ६५ वर्षीया महिलाको शव फेला, हत्या भएको हुन सक्ने आशंका

महोत्तरी : उखुबारीमा ६५ वर्षीया महिलाको शव फेला, हत्या भएको हुन सक्ने आशंका

प्रेमिका भेट्न गएका युवक मृत फेला

प्रेमिका भेट्न गएका युवक मृत फेला

विवाहपञ्चमी महामहोत्सवको तयारी सुरु, व्यवस्थापनका लागि विभिन्न समिति गठन

विवाहपञ्चमी महामहोत्सवको तयारी सुरु, व्यवस्थापनका लागि विभिन्न समिति गठन

कांग्रेसको १५औँ महाधिवेशन मंसिर २१ देखि, मधेश प्रदेश अधिवेशन १४ गते जनकपुरमा हुने : विमलेन्द्र निधि

कांग्रेसको १५औँ महाधिवेशन मंसिर २१ देखि, मधेश प्रदेश अधिवेशन १४ गते जनकपुरमा हुने : विमलेन्द्र निधि

सामुदायिक शिक्षा सुधारको जिम्मेवारी स्थानीय तहले लिनुपर्छ : पूर्वराष्ट्रपति यादव

सामुदायिक शिक्षा सुधारको जिम्मेवारी स्थानीय तहले लिनुपर्छ : पूर्वराष्ट्रपति यादव

Advertisement

Advertisement

Advertisement

nepalvani-nepalvani.com

ताजा र खोजमूलक समाचार, विचार, विश्लेषण र अन्तर्वार्ता निरन्तर सम्प्रेषण गर्दै जानेछ । राष्ट्रियता, लोकतन्त्र, नागरिक अधिकार, सुशासन र प्रेस स्वतन्त्रताका सवालमा कहिल्यै कसैसँग सम्झौता गर्ने छैन । अनलाइन पत्रिकाको रुपमा निरन्तर सुचना प्रवाहमा जागरुक रहन्छ ।

जय माँ राजदेवी मिडिया हाउस द्वारा संचालित
सजिलो पोष्ट डटकम अनलाइन
सम्पर्क कार्यालय:-जनकपुरधाम-२४,धनुषा
सम्पर्क :९८०४३०१५९०
Email : [email protected]
Website : www.sajilopost.com


 सूचना विभाग दर्ता नं. : ३९२१-०७९/८० 
 प्रेस काउन्सिल दर्ता नं. : ३९०९-०७९/८० 

अध्यक्ष/सञ्चालक-संगीता कुमारी साह

कार्यकारी सम्पादक-गिरिजानन्द साह
सम्पादक-विशुन देव सरदार

This page has been visited: web counter © 2021 SajiloPost.com

  • Privacy Policy
No Result
View All Result
  • गृहपृष्ठ
  • समाचार
  • प्रदेश
    • कोशी प्रदेश
    • मधेश प्रदेश
    • बागमती प्रदेश
    • कर्णाली प्रदेश
    • लुम्बिनी प्रदेश
    • गण्डकी प्रदेश
    • सुदूरपश्चिम प्रदेश
  • राजनीति
  • समाज
    • कृषि
    • स्वास्थ्य
    • शिक्षा
    • अर्थ/वाणीज्य
  • विचार
  • खेलकुद
  • मनोरञ्जन
  • अन्तराष्ट्रिय
  • विविध
    • ब्लग
    • रोचक विश्व
    • अन्तर्वार्ता
    • पत्र-पत्रिका
    • राशिफल
    • जीवन शैली
    • फोटो ग्यलरी
    • विज्ञान/प्राविधि