हम कक्षामे `कन्टीनेन्टल ड्रीफ्ट´ शिर्षक पर विद्यार्थी सभके पढा रहल छलौ जे ,”२२५ मिलियन वर्ष पहिने ई ग्रह पृथ्वी जत अपने सभ ठार छी ओत एकटा मात्र
कन्टीनेन्ट पैन्जिया छलै ।१३५ मिलियन वर्षक बाद पैन्जिया टुटिक लरेसिया आर गोडवाना कन्टीनेन्ट बनलै। ६५ मिलियन वर्षक बाद लारेसिया तीनटा कन्टीनेन्ट र गोडवाना चारिटा कन्टीनेन्टमे टुटिगेलै।अखनक वर्तमान स्थिति सँ तुसभ त अवगते छे।तोरासभके बुझल छौ विज्ञानक कायल भविष्यवाणी अनुसार फेउर किछु मिलियन वर्षक बाद सातहु कन्टीनेन्ट जुटिक एकेटा पैन्जिया बन्हिजेतै।
आरमोनके हाथ उपर उठेने देखि हम कहैछियै , ” यस यु केन।”
” म्याम हमर ग्रेन्ड पा कहैत छथिन समय चलायमान छकि ।ओ एकटा बहुत बडका सर्कलमे घुमिरहलछै।घुमैतघुमैत एकदिन ओ फेउर अपन पुरानै ठाम पर काहादुन पँहुच जेतै।डु यु नो म्याम, ही सेड, एकदिन अहि पृथ्वीपर काहादुन फेउर रामराज्य आबिजेतै ?”
हम हँसैत ओकर केश दुलार सँ सोहरबति कहैत छियै , ” जरुर ! तोरा सभसन जे अखुनका पिढी छै। एहन जिम्मेवार , सभ्य , सुशील आर कर्तव्यबोध बच्चासभ जत रहतै ओत आबबाला नहि चलिआयल छै।अखन शिशु अवस्थामे छै। तु सभ त अहि लेसनमे सेहो पढलेहे जे आबवाला भविष्यमे वर्तमानमे रहल सब कन्टीनेन्टसब जुटिक फेउर एकेटा कन्टीनेन्ट बन्हिजेतै ।तु सभ खिस्सामे सुनने हेबे युट्युबसबमे देखने हेबे जे नारद मुनि नारायण नारायण करैत एकपलमे कत स कत पँहुचजाति छलखिन । पहिने आदमी सभ बेलगाडी या तंगासब पर चढैत छलै एकठाम स दोसर ठाम जायलेल जैमे महिनो-वर्षौ लागिजाइत छलै ।अखन आदमी किछु घण्टेमे पृथ्वीक एकटा कोन सँ दोसर कोनमे पँहुचरहल छै।तोरासभके बुझल छौ ? ओ दिन आब दुर नहि जखन अपनेसभ बहुत छोट समयमे बहुत बहुत बहुत लम्बा दुरी पार कयजेबै।”
कक्षामे समुहेमै आवाज अबैत छै , ” रियली म्याम ! देन इट्स वन्डरफुल !”
आरमोनके एकटा हाथ निचा आर दोसर हाथ उपर कय नारायण नारायण करैत देखि सब विद्यार्थीसभ नारायण नारायण कर लगैत छै ।हमहु अपनाके अलग राखि नहि सकलौ। ओकरे सभसँग स्वरमे स्वर मिलबैत कहैत छियै नारायण नारायण ।
कक्षा सकिगेल छल ।हमर अखन अफ छल ।स्टाफ रुममे बैसके मोन नहि भय रहल छल।मन एकान्त खोजि रहल छल ।ताहिलेल हम ल्याबमे चलिजाइत छी ।हमर आँखि यम्हरउम्हर कखनो देवाल त कखनो उपर छतके निहारि रहल छल।भितरेभितर कनितो मे बाहर स अपनाके शान्त राखके प्रयास कयरहल छलौ। पत्तै नहि चलल सर कखन हमरा लग आबिगेल छलखिन।
” कि भेल म्याम ?”
हाथ सँ धडफराइत हम सरके नमस्ते करितोमे मुह सँ किछु नहि बाजि सकल छलौ। सर हमर कनिक आउर लग आबिक , ” म्याम कि भेल? हमरा कहुत । कहुत हमरा कि भेल ?”
हम भावविभोर भगेल छलौ।अपनाके सरके छाती सँ लगाक आँखि मुन पँहुचगेल छलौ।सर हमर माथके सोहरारब लागल छलखिन ।सरक ई बिहेब हमरा नीक लागिरहल छल।सायद इयाह हेतै जे हमर नयनसँ नोर बहलागल छल । सर हमर मुह उपर उठा हमर नोर पोछैत आँखि सँ `अँह ´ के ईशारा करैत छथिन।मुदा हमर आँखि नोराइते रहिजाइत अछि।
” म्याम!केउ किछु कहलक कि ? ह्वाट हेपेन टु यू ? यु केन टेल मी विदआउट एनि हेजिटेशन !”
सरके आवाज सुनि हम अपनामे चलिआयल छलौ।भावक दुनियाँ सँ यथार्थके दुनियाँमे लौट आयल छलौ ।हमरा आर सर बीच दु हाथक दुरी छलै मुदा मोन एकदोसरके छुबिरहल छल।
सर कहैत गेलखिन ,” पहिने अपने राइट होबाक चाहि ।अपन काज भेल रहबाक चाहि ।तब अगर केउ उल्टासिधा किछु कहे त स्टायण्ड लेब सेहो आबक चाहि।फेर हम त छेबे करी।अँहा सही छी त हम अँहाक साथ छी।
हमर घावमे लागल जेना सरक बोली मरहमपट्टीके काज कयरहल होय।हम चैनक साँस फेर लागैत छी।एकाएक घबरा उठैत छी जे आई हमरा सँ ई कि होबजारहल छल ? केउ हमरा बारेमे कि कहैत ?
हमर अपने दोसर चित्त हमरा सँ पुछि बैसैय ,” कि होब जारहल छलौ ? अकर मतलब तोहर आर आरमोन बीच सेहो——?”
हम भबैक उठैत छी, ” कि बाजिरहल छै?
तोरा एतबो अक्कल नहि ! प्रेम पवित्र होइत छै।तु कि जनबिही ? सही मायनेमे त प्रेम अलौकिक होइत छै।बस ओहेटा आगुमे रहैत छै।कहाँ अपनो सुधि तकि रहिपबैत छै?”
हमर आँखिक आगु ओ सिन सब सिनेमाक रिल जाक घुमलगैय।आरमोन सनक चंचल बच्चा आजु एकदम चुपचाप छलै।ओकर आँखिमे पीडा ओहिना देखारहल छलै।ओ दौगैत हमरा लग आबि उदास आँखि सँ हमरा ताक लगैत छै।
” ह्वाट हेपेन आरमोन? आर यू ओ के?”
हम एतबे कि पुछने छलियै।ओ हमरा `म्याम´ कहैत भरिपाज पजियालति छै।हमर हाथ ओकर केशके सोहराब लगैत छै।ओकरा एना देखि हमरा पीडा भयरहल छल।हम छटपटा उठल छलौ।ओकर नोर पोछैत हमहु ओकरा कसिक अपना सँ लगालति छी। किछुदेर वाद ओकरा शान्त होइत देखि नोरायल आँखिमे चमक आनि ओकर कपार चुमैत छी।ओकरा अपनही सँग सटाक बैसबति छी।ओकर माथ हमर कान्ह पर सुस्तारहल छलै।हमर सिनेह भरल हाथ ओकरा थपथपा रहल छलै।ओकरा अहि तरह देखि हमरा किछु पुछब ठीक नहि लागल।बरु ओकरा सहजके साँस लति देखि हमरो सहजक अनुभूति भयरहल छल।आरमोन ` थैक्यू म्याम´ कहैत फेउर हमरा स लिपैट जाइत छै। हमहु ओकरा अपना स सटेने रखैतछी। दुनुगोटे एकेटा बाटक बटोही लागिरहल छलौ। उ धडफराति उठि हमरा चुमि फेउर हमरा सँ सटैत , ` म्याम आइ एम फिलिंग बेटेर नाउ´ कहैत अपन बाट धलैत छै।हम ओकरा कुदैत जाइत देखलगैत छी।गजबके अनुभुति भयरहल छल।
” आर यू म्याड? तु कोनाक एना सोच सकलै ?”
” हम नहि! ई तोरे —–“
हमरा एहसास होब जाइत अछि।मायाप्रेम त सभके लेल ओहने होइत छै।जकरा देखि आँखि नोराजाय ,जकरा लग अपनाके सम्हारि राखब कठिन भजाय,जकर कान्ह पर माथ राखि सब पीडा बिसराजाय ,खुशीमे जकर हाथ पकरि नाचके मोन भजाय , जकरा सँग सिनेहक आलिंगन लाइग आभार व्यक्त करके मोन भजाय सब ओकरे आभुषण सब छै।
कथा लेखक-सुधा मिश्र
महोत्तरी (हाल काठमाडौ)

















Discussion about this post