nepalvani-nepalvani.com
  • गृहपृष्ठ
  • समाचार
  • प्रदेश
    • कोशी प्रदेश
    • मधेश प्रदेश
    • बागमती प्रदेश
    • कर्णाली प्रदेश
    • लुम्बिनी प्रदेश
    • गण्डकी प्रदेश
    • सुदूरपश्चिम प्रदेश
  • राजनीति
  • समाज
    • कृषि
    • स्वास्थ्य
    • शिक्षा
    • अर्थ/वाणीज्य
  • विचार
  • खेलकुद
  • मनोरञ्जन
  • अन्तराष्ट्रिय
  • विविध
    • ब्लग
    • रोचक विश्व
    • अन्तर्वार्ता
    • पत्र-पत्रिका
    • राशिफल
    • जीवन शैली
    • फोटो ग्यलरी
    • विज्ञान/प्राविधि
No Result
View All Result
ई-पेपर
  • गृहपृष्ठ
  • समाचार
  • प्रदेश
    • कोशी प्रदेश
    • मधेश प्रदेश
    • बागमती प्रदेश
    • कर्णाली प्रदेश
    • लुम्बिनी प्रदेश
    • गण्डकी प्रदेश
    • सुदूरपश्चिम प्रदेश
  • राजनीति
  • समाज
    • कृषि
    • स्वास्थ्य
    • शिक्षा
    • अर्थ/वाणीज्य
  • विचार
  • खेलकुद
  • मनोरञ्जन
  • अन्तराष्ट्रिय
  • विविध
    • ब्लग
    • रोचक विश्व
    • अन्तर्वार्ता
    • पत्र-पत्रिका
    • राशिफल
    • जीवन शैली
    • फोटो ग्यलरी
    • विज्ञान/प्राविधि
No Result
View All Result

sajilo_post, Sajilopostkhabar, news khabar, nepal khabar, pradesh khabar, siraha times, siraha khabar, siraha post, sirahadialy
No Result
View All Result

कहि त जैतौ हमर कसुर

सजिलो पोस्ट सजिलो पोस्ट
साउन १५, २०८३, १०:३६ मध्यान्ह
कहि त जैतौ हमर कसुर

एस इ इ के रिजल्ट निकलल छलै। हमरा श्रेयसके याद आब लागल।केहन भेलै ओकर रिजल्ट ? हम जनैत छलौ जे बन्हिए आयल हेतै तैयो एकबेर अौपचारिक रुप स जान चाहैत छलौ।हमरा लग ओकर अत्तापत्ता किछु नहि छल।समझमे नहि आबिरहल छल कि करु ? कोनाक निजगुत बुझु ? के जनैत छलै अहि बीचमे अतेक भजेतै ?

हमरा हुनकर याद अबैय।मनमे खुशीक लहर दौर जाइय।आब हम मज्जा स बुझि सकैत छी।ओहि संस्थामे दुनुगोटाके एकदोसर पर विशवास छल।भरोसा छल।अपन उलझन दुर भेल सन लाग लागल।आब ओहि बच्चाके रिजल्ट हमहु बुझि पायब सोचि फोन करलाय मोबाइल उठबति छी ।ठोर पर एकरंगक मुस्कि चलि आयल छल।चेहरा चमक लागल छल जानि जे एक पंथ दु काम भजायत।अहि बहने हुनको स गफसफ भजायत।हुनको हालचाल बुझमे चलि आयत।जहिया स संस्था छोरल तहिया स कुनो खबर हुनकर नहि छल।

मोबाइलमे हुनकर नम्बर डायल करैत छी।मनमे मारि रंगक विचार सब आयबजायब कर लागल छल।हृदयक धडकन जोर भगेल छल।किछुए हम अपनामे छलौ।मन , विचार , भावसबमे ओ उतरि रहल छलथि। मोबाइलक स्पीकर अन कदैत छी जे हुनका फोन उठबिते हम बुझिजायब।मनमे विचार चलि रहल छल। कि कहि गफक शुरुआत करब ? हेलो स शुरु करब कि नमस्ते स ? कि सब आउर पुछबनि ? कुनो बात दिमागमे आबि नहि ठहरति अछि।आँखि एकटकरे मोबाइलके देखरहल छल त कान सेहो एकेटा दिशामे श्रवण कय रहल छल।मोबाइलक गायन सुनि रहल छल।

मोबाइलके टुनटुनाइ बन्द भजाति अछि।हमर आँखिक चमक हेराय जाइत अछि।मन सुठुवा जाइत अछि।कान बेचारा अखनो गुमसुम छल। मनमे प्रश्न उठैय। फोन किया नहि रिसिभ केने हेथिन ? कि कारण भसकैत छै ? भेटघाट तकि त दुनुगोटे बीच कतेक शान सुमधुर सबकिछु छल।बरु हुनकर आँखि नोरायल छलनि।चेहरा उदास भगेल छलनि जानि जे हम आइ इ संस्थाके बाइबाइ कयरहल।तब कि भगेल हेतै ? अहिबीचमे त दुनुगोटे बीच कुनो तरहक नहि बातचित नहि भेटेघाट भेल अछि।

मनके सम्झबति छी जे भसकैय कहु किछुमे व्यस्त हेथिन ? कहु कलास लयरहल हेथिन ? के जनैय कहु मोबाइलके चार्जमे धय कतौ निकलल हेथिन ? हरदम नकारात्मके नहि सोचबाक होति छकि । आदमीके सकारात्मक सोच राखक चाहिँ।इहो त भसकैय फोन आयल नहि बुझि पायल हेथिन ? अपने देखथिन त कल ब्याक करथिन।हमहु अनढनके के परेशान भजाति छी।

श्रेयस दिमागमे नाच लगैय।कतेक भोलाभाला बच्चा छकि।ही इज सच अ काइन्ड हर्टेड चाइल्ड।दस कलासमे रहितो अपसेट भेलापर हमर गला स आबिक लागिजाइत छल।हमहु ओकर माथ अपन कान्ह पर राखि ठोक लगैत छलियै।म्युजिक इभेन्ट दिन त परफर्म कर स पहिने कोना कामि रहल रहै ? हमरा देखिते दौरक आबि भरिपाँज पजिया लति अछि।ओकरा अपना स लगेने हम शान्त करैत छी।स्टेज तकि ओकर सँग जाइत छी।लेकिन परफर्म शानदार केने रहै।स्टेज स उतरति ओतेक भीरभारमे सेहो फेउर हमरा लग आबि हमर हाथके कसिक पकरि हमरे सँग चेयर पर बैँस जाइत छै।

” थैक्यु! थैक्यु वेरी मच म्याम! इट्स ड्यु टु यु।हम त पूरा नर्वसा गेल छलौ।अँहा जँ एन मौका पर हमरा नहि सम्हारितौ त सायद हम नहि कय पबितौ।जनैछियै म्याम ? स्टेज पर पँहुचति हम पूरा फर्ममे चलि आयल।रिहर्सल स बन्हिया कायल।अँहाक कहल एकएक लाइन ` किछु नहि हायत श्रेयस।सबकिछु ठीक भजेतै।हमरा पूरा विशवास अछि।हमर श्रेयस बेटर करतै।´ हमरा उर्जावान कजाति छल। म्याम अँहाक श्रेयस बेटर केलक ने ?”

श्रेयसके आँखि स खुशी बहलागल छलै।बकर बकर हमर मुह ताक लगैत छै।हमरो आँखि खुशी स बह लगैत अछि।हम श्रेयसके नोर पोछतै इशारा स मुरी डोला हँ कहैत छी।ओ अपन मुरी हमर कान्ह पर धलति छै।

” म्याम हमरा अहिना अपना लग रखने रहु।आइ लव यु म्याम।यु आर मोर देन जस्ट माइ म्याम टु मी।”

हम श्रेयसके माथ दुलार भरल हाथ स ठोक लगैत छी।

फोनके टुनटुनाति आवाज सुनाइ परैत अछि।हम अतीत स वर्तमानमे चलि अबैत छी।हुनकर फोन हेतै।कल ब्याक केने हेथिन।हब्बर दय फोनके हाथमे उठबति छी।देखैत छी त दोसर किनको फोन छलनि।मनमे उठल उमंग सब विलिन भजाति अछि।फोन रिसिभ करैत छी।हुनका बधाई दति छी।बच्चा निक मार्क सी इ इ मे लायल छलनि।जानकारी कराबकेलेल फोन केने छलखिन।हमरा खुशी लगैय।हम बच्चाके फोन देबलेल कहै छियनि।बच्चाके बहुतरास बधाई दति छी।

फेउर दिमाग श्रेयस लग पँहुच जाइत अछि।लगैय जेना ओहो हमरा मिश कयरहल ।सायद भाव सेहो भावके तनैत होइ।स्कुलके ओकर अन्तिम दिन छलै ।पूरा सर्ट सिग्नेचर स भरल छलै।हमरा स्टाफ रुममे देखि ओ हमरा लग आबि ठार भजाति अछि।ओकर हालात देखि हमरा हँसि लागि जाइत अछि।ओहो हँसैत हमरा मार्कर बढबति अछि जे हमहु अपन साइन कदियै।मार्कर हाथमे लति हम ओकर सर्ट पर जगह ताक लगैत छी जे कत किछु लिखल जाय।

” अँहालाय स्पेसल जगह हम राखल म्याम।”

हम ओकरा देख लगैत छी।कतौ त कनियो खाली जगह नहि छलै।हमरालेल कुन कोनामे स्पेसल जगह राखल ?

” कत अछि ओ स्पेसल जगह ?”

” छकि ने।अँहा ताकु त पहिने।”

हमरा ओकर बालसुलभ हृदय देखि मन प्रसन्न भजाति अछि।

अपन जेबीके भितर देखबति कहैत अछि।

” हैया।”

” अच्छा त इ हमरालेल अँहाक स्पेसल जगह अछि। से कोना ?”

” अहि भितर पूरा सेफ रहतै जेना हीरा तिजोरीमे सेफ रहैत छकि।अँहु स पैघ बात।इ बाम साइड छकि।बाम साइड हृदय रहैत छै।अँहाक अमोल वीश सदैव हमर हृदयके पास रहत।”

दुनुगोटा दुनुगोटाके देख लगैत छी।ओ भावुक होति हमरा सँग बैसजाइत छै।हमहु भावुक भजाति छी।सबदिनमा भेटघाट पर ब्रेक लागिरहल छल।

” म्याम ।”

कहि श्रेयस चुप भजाति छै।खने हमरा मुह दिस ताक लगैत छै त खने नजर निचा झुकालति छै।

” कहुन । कि कह चाहैत छी ?”

” म्याम ।”

” हँ हँ कहु बेटा।निधोग कहु।”

” हमरा बिसरब त नहि ?”

हम कनिदेर मौन भजाति छी।किछु नहि फुराति अछि जे कहियै कि ?

” केहन बात बजैत छी अँहा ? कोना बिसैर सकैत छी हम अँहाके ?”

” सच म्याम ! सच कहिरहल अँहा!”

” एकदम सच ! सयमे सय प्रतिशत ! हमर वीशे नहि हमहु अँहाक हृदय सँग जुडल रहब।हमर सिनेह सेहो सतत अँहालेल बहैत रहत।”

” थैक्यु ! थैक्यु म्याम !”

श्रेयस हमर गला स लागिजाति अछि।

” म्याम रिजल्ट निकलिते हम अँहा स भेट आयब।हम अपन पसिनके मिठाइ अँहाके ओहिदिन अपना हाथ स खुवायब।”

” हम अँहालेल कुन मिठाइ रखने रहब ? वायह चक्लेट कि आउर दोसरो कुनो रखने रहब ? ”

” पहिने अँहा हमर सर्टके त ठीक कदिय।देखुन कोनाक सभ फारिदेल।एनामे हम घर कोना जेबै ? लोक देखतै त कि कहतै ?”

” अकरा हम कोना कि करु ? किछु नहि फुराय रहल अछि ?”

” से सब हमरा नहि बुझल।हमरा त एतबे बुझल अछि जे हमर सब समस्याके समाधान अँहा लग रहैत अछि।”

स्कुलके सेहो छुट्टीके समय होब लागल छलै।हम अपन स्टेपलर निकालति छी आ सर्टके मिला मिलाक स्टीच करैत जाइत छी।सर्ट पहिर जाय जोगर तैयार भजाति छै।

” देखलौ हम सच कहल ने ? अँहा लग हमर सब समस्याके समाधान रहैत अछि।”

हुनकर कल ब्याकके प्रतीक्षामे घरी पर घरी बितल।बेरिया स साँझ भगेल।साँझ स राति परिगेल।राति स परात भगेल।दिन बितैत बित‌ैत हफ्ता बितगेल।हुनकर कल ब्याक नहि आयल।अहि बीच हमर स्थिति केहन छल ? हमर छाती ए जनैय।बाहर स नर्मल देखितो हम भितरभितर कानि रहल छलौ।मन आब जाक मानिगेल छल जे कल ब्याक नहि आयत।एतबे त अनुरोध करके छल हुनका स जे अहि हमरो तर्फ स श्रेयसके बधाई दयदेबै।बच्चा खुशीके घरीमे उदास नहि होइ। मन हमर बड उदास भजाति अछि। हमरे मन हमरा स कह‌ैत अछि।

” भन्ने भेलौ।नीक भेलौ।बेरबेर विशवास टुटितो पर फेउर स विशवास कर पँहुच जायब।आबो किछु समझमे एलौ कि नहि ? आँखिपरक बान्हल पट्टी खुजलौ कि नहि ? इ जगत एहने छकि।मतलब तकिके यार छकि सभ अत। आब केहन लगैछौ मन ?”

हम जबाब दति छी।

” कि भगेलै ? ओ हुनकर मर्जी छलनि।आइ एम स्टील हेप्पी।हम त किनको विशवास नहि ने तोरल । नो प्रोब्लेम।हमर टुटल।इट्स ओके।फेउर सम्हरि जेत‌ै।सायद इयाह ठीक होइ ?”

फेउर मन हमरा स कह‌ैत अछि।

” आबो खोलिले आँखिपरक बान्हल पट्टी ।चिन्हले अहि मतलबी दुनियाँके।इ दुनियाँ बड टेर छकि।सोझ आदमीके लुटैत चलि जाइत छकि।विशवास टुटब छोटछिन चिज टुटब नहि होति छकि।आदमीके ओकर एक हिस्सा विशवास तोरबाला तोरिक चलिजाति छकि।”

हमरा पास जबाब नहि रहिजाति अछि।बात त सच छकि।किछु ओकर पार्ट तोरिक चलिजाति छकि जकरा रिकभरी करमे ओकरा समय सँग बहुत किछु लागिजाति छै।लेकिन एकलेखा स निके केलथि।हमरा भ्रममे स निकालि देलथि।हमरा हुनकर आभारी होबक चाहिँ।

हम अपनाके स्थिर करलाय अपन आँखि मुनि लति छी।मनमे बहुत रास प्रश्न उठ लगैत अछि।आइतकि सँग बितल पलसब कि ड्रामा छल ? सबमे ओ अभिनय कयरहल छलखिन ? हुनकर नेत्रोके भाव झुठ छलनि ? ककरो फिलिगंस ककरो इमोशन सँग खेलब उचित थिक ? नो नेवर। इ नहि भसकैत छकि।सब वास्तविक छलै।यथार्थ छलै।ओ सबपल नाटक नहि भसक‌ैत छकि।

हमरा एक प्रसंग याद परिजाति अछि।हमरा आबिक ओ अपन सब्जेक्टके मार्क आ एकटा टिचर जे एब्सेन्ट छलखिन हुनकर मार्क इन्ट्री कदेबलाय अनुरोध करैत छथि।किछुदेरके बाद अबैत छथिन त हमरा सँगीसाथी सभलग बैसल देखैत छथिन।

” म्याम मार्कसब इन्ट्री कदेल ?”

” जी। तखने। ”

हम जबाब मुस्कुराक दति छी।ओ आश्चर्यचकित रहिजाति छथिन।

” वाउ गुड ! कतेक जल्दी !”

फेउर सभदिस तकैत कहैत छथिन।

” इयाह कनिक दिन पहिनेक बात छकि। कम्प्युटरके नाम सुनिते छिटकति फिरैत छलखिन।आइ देखियौन अपन सेहो सबटा रिजल्टक काज कलेल।हमरो देल सबकाज कयक सेहो बैसल छथिन।थैक्यु! थैक्यु म्याम! थैक्यु आमके लेल सेहो।बड मधुरगर आम छल।पियोर अर्गानिक छल ने ?”

सँगीसाथीसभ सेहो समुहेमे बजैत छथिन।

” सच कहल अँहा।इट्स वेरी टेस्टी , पियोर अर्गानिक ! गजबके स्वाद छल आमक म्याम।”

हम हुनका दिस तकैत छि त ठकबकायले किछुदेर रहिजाति छी।हुनकर ठोर पर मुस्कि आ नयन स सिनेह बहिरहल छलनि।हमर नयन ओहि नयनक सिनेहमे भिजलगैत अछि।हुनकर नयन सिनेहक सागरके रुप धलति छकि।डुबकी मारि हम अपन नयन झुकालति छी।फेउर धिरे स उठबति छी त हुनका ओहि अवस्थामे देखैत छी।हमरा दिस ओहिना ओहि भाव ओहि वेगमे बहिरहल छलखिन। हमर ठोरपर भाव भरल मुस्कि उतरिजाति अछि।हृदय तरंगित भजाति अछि।हुनकर गदगदायल मन हमरो मनके गदगदाजाति अछि।

अखनो स्मरण होति मन पुलकित भय उठल अछि।कतेक सुन्दर कतेक भावुक पल छल ! कहमे शब्द साथ नहि दयरहल अछि कोनाक वर्णन करु ? कहियो कोना सकैत छी जे अकथनीय छकि ? एहन एहन मारि पल सब सँग बितैत चलिगेल।मनके मगन करैत चलिगेल।

स्कुलमे स्पोर्ट्स वीक चलिरहल रहै।चारिटा ग्रुपमे विद्यार्थीके बाटल गेल रहै।विद्यार्थीक सहयोग आ आयोजक अपना सहयोगलेल टिचरसभके सेहो चारिग्रुपमे विद्यार्थी सँग राखिदेल।हमर आ हुनकर ग्रुप छुट्टाछुट्टे छल।आइ फाइनल डे छलै।सभटिचर सभ अपन अपन समुहके बच्चाके देखभालमे लागल छलखिन।हमरा सब ग्रुप अपने बुझारहल छल।सब ग्रुपक बच्चाके निक परफर्मेन्स देखि झुमि उठैत छलौ।बच्चा सँग बच्चा बनिजाति छलौ।

कुन टीमके कतेक स्कोर छकि ? कुन ग्रुप कुन पोजिशन पर पँहुचलै तकर हिसाबकिताब भयरहल छलै। संयोग स हमहु ओत पँहुचजाति छी।चुपचाप रास्ता ताक लगैत छी जे कुन ग्रुप पहिल पोजिशन पर आयल ? पहिल पोजिशनपर आयल ग्रुपके नाम देखि मन गदगद भजाति अछि ।हम ओत स निकलिजाति छी।होइय कखन जाक हुनका सुनाबी ।

बाटेमे बहुत टीचरसभसँग हुनका देखति छी।हम जल्दी किनको स बाजभुकबाली नहि रहितो ओहि बीचमे जाक हुनका कहैत छी।

” बहुत बहुत बधाई अछि।अँहाक ग्रुप पहिल पोजिशन पर आयल।”

ओ हमरा किछुदेर खुशी भय देखैत रहिजाति छथिन।फेउर कहैत छथिन।

” सच म्याम ! थैक्यु ! लेकिन अँहा जनलियै कोना ?”

” हम अखन ओहिठाम हुनकेसभ लग स आबिरहल।सबटा सबकिछुक फाइनल भगेल।सभहक रिजल्ट आबिगेल।”

हुनकर मुहपर खुशी पसरिरहल छलनि।सिनेह भरल आँखि स हमरा दिस तकैत कहैत छथिन।

” एहन सुखद समाचार आबि सुनबालेल अगेन थैक्यु ! थैक्यु वेरी मच म्याम !”

” यु आर मस्ट वेलकम !”

हमरा एकटा टिचर आबि पुछैत छथि।

” अँहा त एना खुश नजर आबिरहल छी जेना अहिके हिस्सामे ट्रफी आयल रहे ?”

” तहिना सन बुझियौ।”

एते कहि हम मुस्कति हुनका देख लगैत छी।

” हम उठाबी चाहे ओ उठबथुन बात त एके छकि ने ?”

ओ किछु नहि बुझि पबैत छथिन। लोक नहि बुझि सक्थिन।हुनका ट्रफी उठबति देखि हमहु ताली मारि स्वागत करैत छी।

मनमे एहने एहने घरी सब आबि एकके बाद दोसर प्ले करलगैय।आँखि एकठाम जाक अटकिजाति अछि।तीजके सेलिब्रेसन चलि रहल छलै।सबगोटा अपन अपन थारी परैस परैस कय खाय रहल छलखिन।हमरा खाय स बेसी परसमे निक लागिरहल छल।हम जिनका जे चाहिँ परैस सेहो रहल छलौ।हमरा हाथमे स्पराइटके बोतल देखि स्टेयर दिस स आवाज अबैत अछि।

” यम्हर म्याम।”

हम ठंडालेने उम्हर पँहुचति छी।सभके गिलासमे परसति चलिजाति छी । हुनकर गिलासमे सेहो धरैत छी।

” थैक्यु म्याम !”

हम हुनकर आवाज सुनि हुनका दिस तकैत कहैत छी।

” अकर कुनो जरुरत नहि छकि। हम अपन खुशीलेल कयरहल।”

” इयाह चिजसब स त अँहा विशेष छी।”

हम मुस्कति हुनकादिस तकैत छी।हुनकर बत्तिसी देखाय लगैत छनि।

प्रोग्रामके चलते जायमे अबेर भजाति अछि।हम स्कुल स निकलति छी।गेटके बाहर हुनका अपन सवारीपर सवार देखैत छी।लगमे ठार दुगोटे किनको स बात कयरहल छलखिन।एक कात हुनकर सवारी दोसर कात ओसभ दुगोटे आदमी ठार छलखिन।समझमे नहि आबिरहल छल कोनाक निकलु ? हम बीचेदक निकलि जाइत छी।किछुदेरके बाद देखैत छी हुनका अपना लग आबि रुकल।हमरा लागल किछु कहबाके छनि से कहि हम हुनका दिस तकैत छी।

” घर जारहल छी।”

” जी।”

” त आउने बैसुन।हम छोरिदति छी।”

” जी नहि।ठीक छै। हम चलिजेबै। थैक्यु !”

” हमरा बुझल अछि अँहा चलिजेबै।हमहु अखन उम्हरे जारहल छी।सँगे जासकैत छी ने ?”

हम हुनकर मुह दिस ताक लगैत छी ।ओ इशारा स हमरा बैसलाय कहैत छथि।हम बैँस जाइत छी।दुनुगोटा मुस्किरहल छलौ।एकही तरंग स दुनुगोटा तरंगित छलौ।ओ हमरा स पुछैत छथि।

” अँहा त इयाह दु तीन स्टोप आगु रहैत छी ने ? ”

” जी ग्वार्कोके नजदिक।”

” अँहा ? ”

” हम चार दो बाटो । चार दो बाटो बुझल ?”

” जी । चार दो बाटो कत ? ”

” साम्पांग चौक।”

” साम्पांग चौक ?”

हमरा उलझल देखि कहैत छथिन।

” यूलेन्स स्कुल लग।”

” अच्छा।”

” अँहाके खाय स बेसी खुवाबति सभके देखलौ। खायबला सभ छलखिन परसबाला अँहा असगर छलौ। जनैछी म्याम ? सभगोटा कहैत छलखिन मनभरिक खायल।उठि उठिक जाक लाबमे मन कखनो कखनो अस्कता जाइत छल।म्याम आबिक परैस जायके चलतै खुब मन भरिक खायल। अँहा त थाकिगेल हायब ने ?”

” मनपसिन काजमे थोरही लोक थकैत छकि।हमरा त आनन्द आबिरहल छल।”

” जनैत छी म्याम ? जखन अँहा टिस्यु पेपरलक आयल त हमर मनके बडका राहत भेटल छल।हमरा अपन समस्या टरिगेल लागल छल ।हाथ त पूरा गंदा भगेल छल।”

” हमरा लागल छल अँहा सभके अकर बेसी जरुरत अछि ताय लक पँहुचल छलौ।”

” थैक्यु ! थैक्यु हर्टली !”

” अकर कुनो जरुरत नहि छकि।अपनेसभ एक परिवार सरहे छी।अपनामे अहिसबके जरुरत नहि होति छकि। सोनामोनाके बारेमे सुनाउ।”

सोनामोनाके नाम सुनि भावुक भजाति छथिन।हम हुनकर वउवाके सोनामोना कहि आयल ।हँसैत कहैत छथिन।

” बड सुन्दर। आब त बहुत किछु बुझलागल।”

” ओकर नाम कि रखलियैय ?”

हुनकर मुहपरक हँसी चमकि उठैत छनि।

” काव्यांशी।”

” काव्यांशी।बहुत सुन्दर ।बड प्रियगर नाम छकि।”

” कहलियैय जे अपन जीवनमे काव्य रचै।ओकर जीवन काव्य बनिजाइ।सायह सब सोचि काव्यांशी राखल।”

” जरुर ओ अँहाक भाव जा अपन नामके सार्थक करत।”

सवारीके रुकैत देखि हम बाट पर तकैत छी।हमरा त अपना ध्याने नहि रहिगेल छल जे हमर स्टप आबि चुकल अछि।हम हुनका स बिदालय आगु बढिजाइत छी।

हमरा सोनामोनाके याद चलि अबैय।हँ इह सही छकि हम अपन खुलल नयन स अखनधरि ओकरा नहि देखल।मुदा बन्द नयन स ओकर हर स्टेजक छवि हमर नेत्रमे उतरिजाति अछि।मन वेकल भय उठैत अछि।कुहेशा फाट लगैय।नयनमे नोर भरिजाइत अछि।आब कोनाक अपन सोनामोनाके बारेमे किछु बुझि पायब ? कोनाक हुनका एहन कठोर बनल गेलनि ? नरम दिल सेहो निर्दय भसकैत छै ? भसकैत छै ने कियाकि आब पंचभौतिक शरीर भितरक भाव सेहो सायद भौतिक बनिगेल। सायद कलिकालके प्रवाह हेतै ।जेना पानि जमि बर्फ बनिजाति छकि।

इह ओ ठीक नहि केलथि।हमर सोनामोनाके ओ हमरा स दुर नहि कय सकैत छथि।हमरा याद अछि । एकदिन ओहे कहने रहैथ हमरा जे अँहाके भाइभ ओकरा लग पँहुच जेतै।तहिना हमर भाइभ ओकरा लग पँहुचति रहतै आ ओकर भाइभ हमरा लग किया कि अहि जगतमे रिटर्न ब्याक होति छै।अहि जगतके प्रोसेस छकि रिफ्लेक्शन।

एकाएक कि एहन भगेल हेतै ? संस्थामे रहतकि त सबकिछु केहन सुन्दर छल।कि इ बात त नहि ? प्रोफेसनल नाता प्रोफेसन तकि मात्रे सिमित ।लेकिन अहि ठमन किछु अपन मर्जी स नहि होति छकि।कते प्रोफेशनल नाता पर्सनल नाता स बढिक भजाति छकि त कतेक पर्सनल नाता प्रोफेसनल बनिजाति छकि।कतेक ठाम त इहो देखल गेल जे पर्सनल नाता प्रोफेसनल बनि सेहो नहि टिक पबैत छकि।

हमरा कुनो शिकायत नहि अछि।अँहा जे केलौ अँहाके अपन ईच्छा छल।अपन मर्जी रहल हायत।मुदा कहि त जैतौ हमर कसुर कि छल ? अँहाके एकाएक एनाक परिवर्तित भजेनाइ हमरा चोट पँहुचारहल अछि।हम कानिरहल ओहन कननाइ जाहिमे चुरानुकाक अपन नोर खसाबी।अपने कनैत छी त अपने अपन नोर पोछि अपन मनके बुझबति छी।कुनो बात नहि।जे भेलै से भगेलै।

हम किछुदेर मौन भजाति छी।हम अपने अपना स पुछैत छी।हमर कसुर कि छल ? हमर मन हमरा हँसिक जबाब दति अछि।

” तोहर कसुर कुनो बडका नहि छौ।कसुर इह छौ कि तु सभके हृदय स अपन मानिलति छे।सभपर विशवास कजाति छे। इयाह अहि दुनियाँके सब स बडका कसुर छकि।अहि जगतमे सब नाताके हृदय स लगाबके नहि होति छकि।तु सभके अपन मानि हृदय स जिबैत चलिजाति छे आ लोक मतलब स।”

हमरा भान भयरहल इह हमर एकतर्फा नहि भसकैत अछि।कतौ नहि कतौ ओहो अहिमे सामिल छथि।हमरा यकिन भय रहल अछि।हमरा संकेत भेटिरहल अछि जे ओहो अहि सिनेह स अपनाके दुर नहि राखि पाबि रहल छथि।कतौ हमर नाम लिखल देखैत हेथिन चाहे सुनैत हेथिन त हुनको नेत्रमे नोर भरिजाति हेतनि।केउ पुछैत हेतनि जे आँखिमे नोर किया ? तब चाहियोक किछु कहि नहि पाबैत हेथिन।

अँहा जेना छी खुश रहु इयाह हमर हृदय स कामना अछि। आब हम कहियो अँहाके डिस्टर्व नहि करब।ओहुना कहियो फोन नहि करैत छलौ।आब कहियो करबो नहि करब।आइ वील लिव इट टु यु टु रिच आउट इफ निडेड ।कहियो भुलियोक किस्मत दुनुगोटाके आमनेसामने कर चाहत त हम प्रयासरत रहब जे अँहाक सोझामे नहि परी।चकोर चानके निहारति खुश।गोपी सिनेहक विरहमे खुश।हम अँहा स देल दुरियोमे खुश।सायद जीवनक लकीरमे एतबे दिनलाय दुनुगोटाके लकीर जुडल छल।हम आभारी छि अहि लकीरके जे एतबे दिनमे सिनेहके अंकुर फुटादेल।सिनेहके दीप जराक गेल।नव एहसास जगाक गेल।

हमरा किछु वर्षक पहिलका बात याद परिजाति अछि।हम टेम्पु स अपन घर जाइत रही।टेम्पुमे एकटा हिंदी गीत बजैत रहै ` कलका फकीर आज दिल शहजादा हे ´। हमरा छुबिगेल रहे। इज इट ट्रु ? कि सचमे एना होति छकि ? सिनेह चिज अतेक पावरफुल होति छकि ? सिनेहमे अतेक सामर्थ्य होति छकि ? अहि स अतेक छोट मोमेन्टमे अतेक पैघ परिवर्तन भसकैत छकि ? कि चिज छकि इह सिनेह ?

भगवानक कृपा हमरा उपर जे हम अहि सुखद क्षणके अनुभुति कय पेलौ।जानि पेलौ अहि विराट चिज सिनेहके।सचमे इह काल्हिके फकीरके आइ सम्राट बनादति छै।अपनामे मस्तमगन करादति छै।योगक मनमोहक सुखद क्षण हौक कि वियोगक विरहक पल दुनु बेजोड होति छकि।दुनुमे आनन्दक अनुभुति छुपल रहैत छै।

सायद ताय कहल गेल हेतै सिनेहमे परमात्माके झलक भेट लगैत छै।सिनेहके सिढी चढि आदमी परमात्मा तकि पँहुचजाति छकि।इह सच थिक।हमरा निक जाक याद अछि ।हुनकर सँग एक संवादमे हमरा मुह स अपनेआप निकैलगेल रहे जे अँहा हमरा भगवाने लगैत छी।हमर नजर प्रायः हुनकर चरण दिस रहैत छल।नहि जानि कायबेर हम हुनकर चरणके मानसिक प्रणाम कायल होइ।भावमे ओतपोत हमर मन हुनकर चरणक स्पर्श बड निष्ठापुर्वक स करैत छल।

हमर मन नाच लगैय जानि जे हमरो भितर सिनेहक द्वार खुजिगेल अछि।हमरो भितर आनन्दक अंश प्रवेश कयगेल अछि।इयाह हमर आनन्दक अनुभुति हमरा परमानन्द तकि लजायत।हमर जागरुकता ओहितर्फ मुरि जाइय। हे कृपासिन्धु हे आनन्दसिन्धु इहो हमर इच्छा पुर होबमे अपन कृपा वर्षायब।हमरो भितर फुटल अंकुर वृक्ष बनि तैयार होय।हमहु ओ परमधन जानि सकि जाहिलाय लालायित छी।हमहु ओ रामरत्नधन पाबि नाचि उठि जेना महापुरुषसभ नाचि उठल छथिन।हमरो ओ दिन आबे जहिया हमहु मगन भय कहि पाबी।आब किछु नाथ नहि चाहिँ मोरे।

लेखक – सुधा मिश्रा

Tags: मैथिली रचना

Discussion about this post

Related Posts

एमाले त्यागेर आजपा गएका देवाही गोनाहीका नगरप्रमुख र वडाध्यक्ष पदमुक्त

एमाले त्यागेर आजपा गएका देवाही गोनाहीका नगरप्रमुख र वडाध्यक्ष पदमुक्त

सेबोनले सार्वजनिक ग¥यो मार्जिन लेन्डिङ र सर्ट सेलिङ कार्यान्वयनको अवधारणापत्र

सेबोनले सार्वजनिक ग¥यो मार्जिन लेन्डिङ र सर्ट सेलिङ कार्यान्वयनको अवधारणापत्र

हजारौं आप्रवासी एकैपटक स्पेन पस्दा ‘संकटकाल’ घोषणा

हजारौं आप्रवासी एकैपटक स्पेन पस्दा ‘संकटकाल’ घोषणा

कुमारी बैंकको २.५८ लाख बढी संस्थापक सेयर बिक्रीमा, संस्थापकलाई ३५ दिनको अवसर

कुमारी बैंकको १५ हजार कित्ता संस्थापक सेयर बिक्रीमा

भारतमा ‘स्पाइडर म्यान’ ले पहिलो दिन कमायो ७२ करोड बढी

भारतमा ‘स्पाइडर म्यान’ ले पहिलो दिन कमायो ७२ करोड बढी

आरम्भ चौतारी लघुवित्तको सेयर रजिस्ट्रारमा प्रभु क्यापिटल नियुक्त

आरम्भ चौतारी लघुवित्तको सेयर रजिस्ट्रारमा प्रभु क्यापिटल नियुक्त

गोलबजारमा गोली लागेर गणेश यादवको मृत्यु, शव उठाएका छैनन् प्रदर्शनकारीले

सिरहाको गोलबजार घटना : गणेश यादवको शव पोस्टमार्टमका लागि धरान पठाइयो

‘सामाजिक सद्‌भाव नबिगारौँ, आधिकारिक सूचनामा मात्र विश्वास गरौँ’

‘सामाजिक सद्‌भाव नबिगारौँ, आधिकारिक सूचनामा मात्र विश्वास गरौँ’

गोलबजारमा गोली लागेर गणेश यादवको मृत्यु, शव उठाएका छैनन् प्रदर्शनकारीले

गोलबजारमा गोली लागेर गणेश यादवको मृत्यु, शव उठाएका छैनन् प्रदर्शनकारीले

पूर्वराजा ज्ञानेन्द्र शाहद्वारा आपसी आपसी सद्भाव कामय गर्न आग्रह

पूर्वराजा ज्ञानेन्द्र शाहद्वारा आपसी आपसी सद्भाव कामय गर्न आग्रह

सजिलो पोस्ट मिडियाद्वारा जनहितमा जारी सन्देश

nepalvani-nepalvani.com

ताजा र खोजमूलक समाचार, विचार, विश्लेषण र अन्तर्वार्ता निरन्तर सम्प्रेषण गर्दै जानेछ । राष्ट्रियता, लोकतन्त्र, नागरिक अधिकार, सुशासन र प्रेस स्वतन्त्रताका सवालमा कहिल्यै कसैसँग सम्झौता गर्ने छैन । अनलाइन पत्रिकाको रुपमा निरन्तर सुचना प्रवाहमा जागरुक रहन्छ ।

जय माँ राजदेवी मिडिया हाउस द्वारा संचालित
सजिलो पोष्ट डटकम अनलाइन
सम्पर्क कार्यालय:-जनकपुरधाम-२४,धनुषा
सम्पर्क :९८०४३०१५९०
Email : [email protected]
Website : www.sajilopost.com


 सूचना विभाग दर्ता नं. : ३९२१-०७९/८० 
 प्रेस काउन्सिल दर्ता नं. : ३९०९-०७९/८० 

अध्यक्ष/सञ्चालक-संगीता कुमारी साह

कार्यकारी सम्पादक-गिरिजानन्द साह
सम्पादक-विशुन देव सरदार

This page has been visited: web counter © 2021 SajiloPost.com

  • Privacy Policy
No Result
View All Result
  • गृहपृष्ठ
  • समाचार
  • प्रदेश
    • कोशी प्रदेश
    • मधेश प्रदेश
    • बागमती प्रदेश
    • कर्णाली प्रदेश
    • लुम्बिनी प्रदेश
    • गण्डकी प्रदेश
    • सुदूरपश्चिम प्रदेश
  • राजनीति
  • समाज
    • कृषि
    • स्वास्थ्य
    • शिक्षा
    • अर्थ/वाणीज्य
  • विचार
  • खेलकुद
  • मनोरञ्जन
  • अन्तराष्ट्रिय
  • विविध
    • ब्लग
    • रोचक विश्व
    • अन्तर्वार्ता
    • पत्र-पत्रिका
    • राशिफल
    • जीवन शैली
    • फोटो ग्यलरी
    • विज्ञान/प्राविधि
error: Content is protected !!