nepalvani-nepalvani.com
  • गृहपृष्ठ
  • समाचार
  • प्रदेश
    • कोशी प्रदेश
    • मधेश प्रदेश
    • बागमती प्रदेश
    • कर्णाली प्रदेश
    • लुम्बिनी प्रदेश
    • गण्डकी प्रदेश
    • सुदूरपश्चिम प्रदेश
  • राजनीति
  • समाज
    • कृषि
    • स्वास्थ्य
    • शिक्षा
    • अर्थ/वाणीज्य
  • विचार
  • खेलकुद
  • मनोरञ्जन
  • अन्तराष्ट्रिय
  • विविध
    • ब्लग
    • रोचक विश्व
    • अन्तर्वार्ता
    • पत्र-पत्रिका
    • राशिफल
    • जीवन शैली
    • फोटो ग्यलरी
    • विज्ञान/प्राविधि
No Result
View All Result
ई-पेपर
  • गृहपृष्ठ
  • समाचार
  • प्रदेश
    • कोशी प्रदेश
    • मधेश प्रदेश
    • बागमती प्रदेश
    • कर्णाली प्रदेश
    • लुम्बिनी प्रदेश
    • गण्डकी प्रदेश
    • सुदूरपश्चिम प्रदेश
  • राजनीति
  • समाज
    • कृषि
    • स्वास्थ्य
    • शिक्षा
    • अर्थ/वाणीज्य
  • विचार
  • खेलकुद
  • मनोरञ्जन
  • अन्तराष्ट्रिय
  • विविध
    • ब्लग
    • रोचक विश्व
    • अन्तर्वार्ता
    • पत्र-पत्रिका
    • राशिफल
    • जीवन शैली
    • फोटो ग्यलरी
    • विज्ञान/प्राविधि
No Result
View All Result

sajilo_post, Sajilopostkhabar, news khabar, nepal khabar, pradesh khabar, siraha times, siraha khabar, siraha post, sirahadialy
No Result
View All Result

मैथिली कथा -“एक डिफिकल्ट पेरेन्ट”

सजिलो पोस्ट सजिलो पोस्ट
मंसिर २३, २०८०, ७:१९ मध्यान्ह
मैथिली कथा -“एक डिफिकल्ट पेरेन्ट”

जकरा दिस नजर जाइत छल आँखि ठहरिजाति छल।हम ओहिठाम ठहरि निहार लगैत छलियै।निक लागि रहल छल नयनके सभहक सजल रुपरंग।सभहक गेटअप चेन्ज छलैन।निक निक साडीमे
सजल म्यामसभहक कानमे झुमका डोलिरहल छलै त हाथमे चुरी खनैक रहल छलैन। आँखिमे कोनियाल काजर,माथमे चमकैत टिकुली,ठोरपर लाली पसरल ताहिपर टाउक सनक हिलबाला सेन्डल सभहक डारमे एक हटले लचकपन आनिदेनेछलै।जेना लगैत छलै फेसन शो लेल आयल होइ सभ।हम जे अपने खुद एक नारी दोसर नारीके ठहरिक निहारिरहल छलियै तँ एक नरके बारेमे कि कहल जासकैय!

पुरुषो सभहक सजबधजब कम नहि छलनि।केशके फिनिशिंग कायल,दाह्री बनायल,चमचमाचम चमकति बुटपर स्पेशल सुट।लागिरहल छलै जेना सभगोटेके एक एक कय रेड कार्पेट पर अपन अपन परफोरमेन्स देबके होइ।कहबी जे छकि `निपने पोतने अँगना घर पहिरने ओढने कनिया वर ´तकर यथार्थ
बुझबामे आबिरहल छलै।सचमे पहिरबा ओढाबा आदमीके पुरेपुर ओकर लुक बदलिदति छै।केहनो रहौक मुहक गढन आर देहक काँटछाँट सजधज अबैय तँ डोको सन आँखि लागत कतरल,मोटो डार लागत लचकति नारीके।तहिना चानि उडल नरके चानि झापल त बंठो लागत लम्गर।वाह रे एक्काइसम् शताब्दी तोहर
पेकिंगके जबाब नहि !

`फन्ने ड्रेस´ कहिक नहि तोकल हेबाक कारण हम सिम्पले फोरमल ड्रेसमे छलौ। उवाह कपडा जे काल्हियो स्कुल पहिरक आयल रही।स्कुलमे रिजल्ट छलै।ई एक ओकेजने जाक स्कुलके लेल होइत छै।हमहु अकरा ध्यानमे रखैत अपन हेयर स्टाइल चेन्ज कय केश सोटि कत्थि रंगक लिपिस्टिक लगालेने छलौ।किया कि हमरा बुझल छल ई दुटा चीज हमरामे किछु विशेषे चेन्ज आनिदति अछि आर सभके मजबुर कदतिछै कहलाय म्याम कते सुन्नर लगैतछी आइ अँहा !

पेरेन्टस सभहक एनाइ शुरुभगेल छलै।खास तेहन किछु टेन्सन नहि रहितोमे मोन कनिक डरायल सनके छल।पत्ता नहि किया नहि किया सिक्सथ सेन्स हमर कहिरहल छल किछु होबबाला छै चारिदन अगेस। मोनक भ्रम अछि कहिक पठेरदति छलियै।मुदा ईयाह बात अखनो हमरा घेरने छल।

एकटा बच्चाक पेरेन्टके क्लासक वाल पर टाँसल जब लिस्टमे सँ हरेक नेम लिस्ट निकालि निकालि पढलाक बाद हुनकर टी ईल टी सँगक वार्तालाप देखि हम जकरा अपन भ्रम अखन तकि कहियाल छलौ तकरा सचमे परिणत होइत देखलगलौ।

ओ उवाह पेरेन्ट छलखिन जिनका सँग हमसभ टिचर आर प्रिन्सिपल दुदिन पहिने मिटिंग बैसल रहियै।बहुत किछु स्कुलके सुनेनेछलखिन।लगैत छलै जेना मोबाइलक मेमोरी शिकायत सँ फुल कय आयल रहथिन।लाइन बाइ लाइन सबटा वर्णन करैत पढ लगलखिन।अपने हम अहिठामक नव टिचर भेलाक कारण नहि पेरेन्टेके चिन्हति छलौ नहि निकजाय प्रिन्सिपलेके जनैत!बकर बकर कखनो उम्हर त कखनो यम्हर दुनुके मुहदिस ताकिरहल छलौ।

पेरेन्टके कायल शिकायतमे सबके सब वाहियात छलै से कहब उचित नहि त बहुत शिकायत अनमेचुयर्ड आर एक तर्फा छलै।मुदा एकटा शिकायत सुनि हमर आँखिक आगु किछुदिन पहिलका घटना घुम लागल।

टिचर एक्सचेञ्ज रुमस किनको कानबके आवाज आबिरहल छलै।हमर क्लास खत्म भगेलाके चलते हम टिचर एक्सचेञ्ज रुममे बैसके लेल पँहुचल छलौ।एकटा म्याम ओहिठाम नोरेझोरे कानिरहल छलखिन।अपन नोरके टिस्सु पेपर सँ पोछति पोछति टेबल पर टिस्सु पेपरक ढेरी बनालेने छलखिन।सँगही बैसल आर टिचर सभ अपना अपना धुनमे ! केउ एकदोसर सँ बतियाति तँ केउ अपन कोपी चेक कयरहल।हम किछुदेर स्तब्ध रहिगेलौ देखिक।हमरा बड आश्चर्य लागल ईह बुद्धिजीवीक ढेरी देखिक सँगमे बड पितो लहरल।मोन मसोरिक रहिगेलौ।ओहि म्यामके दुनु पाँजर अपन दुनु हाथसँ पकरैत पुछलौ, “ह्वाट हेपेन्स टु यु? कैला कानि रहल छी? कि भेल?कहुत ,हम किछु कसकै छी कि!”
” नहि ओहिना!”
हमरा बुझमे आबिगेल कह नहि चाहैत छथिन।हमहु पुछनाइ छोरि एक गिलास पानि लय,”अच्छा ठीक छै।पहिने लिय इ पानि पिबु त।”
पानि लक पिबैत छथिन ।हम हुनकर नोर सँ भिजल लटके कानमे घुसिया पिठ सोहरबति,” म्याम स्थिर होउ।सबकिछु ठीक भजेतै।”

म्यामक हिचकी रुकलनि।किछुए क्षणमे म्याम पुर्णतः शान्त भगेल छलखिन।हमरा ओहि पेरेन्टके देल शिकायत जे अत टिचर बच्चाके फिलिंगेके मात्र नहि ओकर इमिडिएटली निड इमोशनल केयरमे सेहो चुकिजाति छै।अहि घटनाके चलते हम अहि शिकायतमे बहुत किछु एग्री भगेल छलौ।पत्ता नहि किया हमरो मोन डरायगेल छल टिचरसभहक अहितरहक बिहेव सँ !एकटा एडुकेशने देनाइ मात्र टिचरके कर्तव्य नहि छै ओकरा भित्र मानवीय भाव जगेनाइ सेहो एक टिचरके कर्तव्य मानिक चलबाली हम, स्वभाविक छलै हमहु अहिबात सँ अत्यन्त चिन्तित भगेल छलौ।

आइकाल्हि नहि जानि कुन हवा बहिगेल छै जत-तत अँहा बच्चाके डाँटि नहि सकैछी,एक थप्पड मारब त कि डराबहु कहिक हाथ नहि उठासकैत छी ।मुदा ओ कानिरहल छै त नोर पोछके बदला अनसुनल कदि? खसि रहल छै त हाथ पकरि रोकके बदला अनदेखल कय खसैत छोरि दि ?नहि जानि ई युग कुम्हर जारहल?कि अपन सभहक पुर्वजके देल संस्कार इहे थिक ?कदापि नहि !हरचिजक दुटा पार्ट होइत छै।दुनुमे संतुलन कय चलबाक होइत छै।जहिना सहीमे शाबासी देनाइ उचित छै तहिना गलतमे डटनाइ कुनो अनुचित नहि।बस नहि बिसरक चाहिँ जे डटलियइय अँहा त फेउर अँहि दुलार कर नहि बिसरियौ।अहि सँ ओकरा अपन गलतीके एहसास हेतै। अहि तरहक वातावरण सँ भावनाक विकास सेहो हेतै।

ओहि बच्चाक फादरके हम वाच कयरहल छलौ।हमरा सभके लेल सभ पेरेन्टस विशेष छलैथ।हुनका साइड लागिक ठारभेल देखि पहिने हमरा लागल जे भलाद्मी पेरेन्ट छथिन जे अपन बेरिके वेट कयरहल छथिन।मुदा हम गलत छलौ ओ त विशेष मानपान ताकिरहल छलखिन।ओ अपनाके एक पेरेन्ट नहि बुझि विशेष बुझिरहल छलखिन।कहबी छै काबिल माखे तीन ठाम।स्याह भेलै विशेष मानपानक चक्करमे पछुवायल रहि गेलखिन।बादमे हुनका अगुतायल देखि टी एल टीके ईशारा पर हमसब बच्चाके रिजल्ट ठारेमे बढादेलियनि।कि करितियै ? दुनु चेयरपर पर अलरेडी दुटा पेरेन्ट बैसल छलखिन ।

किया इनभल्प सँ निकालिक रिजल्टके निक सँ देखब जे बच्चाक मार्कस केहन आयल अछि ? कत चुकिरहल छै? कत गजब छै? कत कथिमे कमी कमजोरी रहिगेलै? किछु करैत हुनका नहि देखलौ।

होम बच्चाके फस्ट पाठशाला होइत छै।अगर टिचर आर पेरेन्टस अपनामे कोअरडिनेसन कयक चलतै त बच्चाके साइकोलोजी बहुत हदतक जानल जासकैत छै।अहितरहक सोच हमर छल।

कुनो सब्जेकटमे अगर मार्कस मोन खातिर जोग नहि छै त किया? कैला कुनो सब्जेक्ट टिचर स पुछपाछ करब ?टिचर
बच्चाक दुश्मन नहि होइत छै जे ओकरा सँग पक्षपात करैतै? जहाँतकि हर टिचरके चाहना होइत छै ओकर विद्यार्थी सभ निक सँ निक करैक।पेरेन्टसके एकटा अपने बच्चाक फिकिर रहैतछकि मुदा टिचरके हर एक बच्चाक चिन्ता ।रिजल्टक दिन कुनो पेरेन्टसक चेहरा पर खुशीक ओरअन्त नहि रहैत छकि त कुनो पेरेन्टसक चेहरा पर उदासक पहाड टुटिपरल रहैत छै।मुदा टिचरक भितर ओ दुनुभाव उमरिघुमरि रहल रहैत छै।ओ अपना हाथक पाँचु आगुर बुलन्द देख चाहैत छै।चारिटा आगुर सबतरहे निक रहितोमे अगर एकटा आगुरमे दर्द भयरहल छै त ओ अपनाके हम ठीक छी अौपचारिकता स्वरुप मात्रे कहिसकैय।वास्तविकता कहब सरासर गलत होब जेतै कियाक त चारिटा आगुरक स्वस्थपन
एकटा आगुरक दर्द अपनामे घोरिलेने रहैत छै।

ओहि पेरेन्टके ईह परहेज नहि भयपेलैन जे हमरा अहिना ठारेठार रिजल्ट पकरादेलक।बस कि छलै अनापसनाप बिना अर्थक चिज सभ बक लगलखिन।जेना लगैछलनि हुनका भुत लागिगेल होइ।कहबीए छै आधा गागर पानि छिलकति जाय।उवाह भयरहल छलै।टिचरके निचा देखबलाय कुनो शब्द नहि छोरलखिन त अपना उपर राखलाय सब शब्द जोरैत गेलखिन।हुनका बिसरागेलनि जे आदमी पितक घरीमे अचेतन अवस्थामे चलिजाति छै।बाजक क्रममे कुनो आरधार नहि रहि गेलछलनि।

`अहिठामक एकोटा टिचर जोगरक नहि छै।सबके सब रद्दी फोकटके माल छै।ककरो टिचिंगके मिनिग तकि नहि बुझल छै।´रुम पुरापुर पेरेन्टस आर स्टुडेन्ट सँ भरल छलै।हमरा किछु ठीक नहि लागिरहल छल।हम ओहि फादरके शान्त करलाय सोचिक स्थिर सँ अपना मुहपर बनाबटी मुस्की लबैत कहैत छियै,”ह्वाइ डु यु थिंक सो?”

बस आब कि छलै हुनका लगलैन जे ई हमर बात कटलक ।आउर पिनैक गेलखिन।लेक्चर देनाइ शुरु कदेलखिन।कान पथरा गेल छल हमर , हुनकर अपन बडाइ हुनके मुह सँ सुनैत सुनैत ।बाजहिके क्रममे बजैत छथिन–“हमरा एरेगेरे नहि बुझु।हम जिन्स पेन्ट आर भेस्टमे छी त कि हमरा पास विवेक नहि अछि !हमर हाथ, बाँहि ,छाति पर गोदना गोदायल अछि त कि हम लफुवा छी! हमहु दस बरिख टिचिग केने छी !कि हम ओहिना बिना पढेनही बच्चाके ठगैछलियै ? कि हमरा कुनो बाज नहि अबैय ? हम नामेके टोस्ट मास्टर छी ? हम बैकके रिपुटेड पद पर ओहिना कार्यरत छी?”

हम स्थिर सँ जबाब दति छियै,”हम कहाँ किछु अपनेके कहलौह ।अपने त अपन इभालुएशन खुद अपने कय रहल छी।”

रिजल्ट सकिगेल छलै।डर लागिरहल छल आब प्रिन्सिपल बजाक किछु कहे नइ।मुदा अपना किछुबातक अफसोस नहि छल।मोन तँ भेल रहे किछु कहियैन ओहि एक फादरके मुदा चुप लागब उचित बुझि चुप रहिजाइत छी । ओ हमरा प्रसनली बइज्जत करमे सेहो नहि चुकलनि जे अँहा कि जनबे करैछियै पढब बारेमे ?अँहामे कि अछि तेहन स्किल से हमरा लिखक दियत ? थालमे कि ढेपा मारु आर दोसर प्रिन्सिपलके चलते हम चुप भय सब अगोर घोटैत रहिगेलौ।

एक टिचर होबाक नाते पूरा सजग छलौ हम रिजल्ट पिरियड भरि।टि एल टीके निष्पक्ष भय बजनाइ जे ,”जाय ओहन छै ताय नहि अकेले भगेलैय।हमरा बुझल अछि ओकर बात ,ओकरा अफिसमे सेहो नहि केउ सुनैत छै।हमर बात केउ सुने अहिलेल पहिने अपने सुनाब जोग बन परैत छै।अहितरहक मानसिकता भेल आदमीक बात केय सुनतै ?जे अपना नजरमे दोसरके किछु बुझिते नहि छै ।टु गेट रेस्पेक्ट वी हेव टु गिव रेस्पेक्ट । गाइर कहैछै ककरा घर जाउ जे पढलक तकरे घरजायब।प्रकृतके नियम छकि जे देबै सेहे अँहालग आयत।अहिठाम सबकिछु रिफ्लेक्ट होइतछै।”

टी एल टीके अहितरक बात सुनि राहतके सँग मोनक दुबिधा सेहो दुर भगेल छल।मुदा एकटा चिज बेचैन केने जारहल छल जे ओ बच्चा कतेक पियारी छै!ओकरा केहन वातावरण भेटल छै पँल बढलाय?

Discussion about this post

Related Posts

धनुषामा एक पुरुष मृत अवस्थामा फेला

धनुषामा एक पुरुष मृत अवस्थामा फेला

एनपीएलमा उत्कृष्ट प्रदर्शन गर्ने राहुल यादवलाई मौलापुर नगरपालिकाद्वारा सम्मान

एनपीएलमा उत्कृष्ट प्रदर्शन गर्ने राहुल यादवलाई मौलापुर नगरपालिकाद्वारा सम्मान

नवनियुक्त तीन राजदूतद्वारा पद तथा गोपनीयताको शपथ ग्रहण

नवनियुक्त तीन राजदूतद्वारा पद तथा गोपनीयताको शपथ ग्रहण

‘रामायण’ २०२७ मा मात्रै चीन, जापान, रुस र दक्षिण कोरियामा रिलिज हुने

‘रामायण’ २०२७ मा मात्रै चीन, जापान, रुस र दक्षिण कोरियामा रिलिज हुने

‘एक्सन स्टार’ जुनियर एनटीआर अब ‘हाँस्य चलचित्र’ मा देखिने

‘एक्सन स्टार’ जुनियर एनटीआर अब ‘हाँस्य चलचित्र’ मा देखिने

चाडपर्वसँगै बिग्रिएको पाचन स्वास्थ्यलाई कसरी सुधार गर्ने ? जान्नुहोस्

चाडपर्वसँगै बिग्रिएको पाचन स्वास्थ्यलाई कसरी सुधार गर्ने ? जान्नुहोस्

पाकिस्तानी सेनाका पूर्व क्याप्टेन बने पृथकतावादी संगठनकाे प्रमुख

पाकिस्तानी सेनाका पूर्व क्याप्टेन बने पृथकतावादी संगठनकाे प्रमुख

चर्चित टिकटकर बुदुर पासवानको मृत्यु

चर्चित टिकटकर बुदुर पासवानको मृत्यु

उदाउँदो सूर्यलाई अर्घ दिदै छठको समापन

आज अस्ताउँदो सूर्यलाई अर्घ्य दिएर छठ मनाइँदै

जनकपुरधाममा सार्वजनिक स्थलमा विज्ञापनको मनपरी, सम्बन्धित निकायको मौनतामाथि प्रश्न

जनकपुरधाममा सार्वजनिक स्थलमा विज्ञापनको मनपरी, सम्बन्धित निकायको मौनतामाथि प्रश्न

Advertisement

Advertisement

Advertisement

nepalvani-nepalvani.com

ताजा र खोजमूलक समाचार, विचार, विश्लेषण र अन्तर्वार्ता निरन्तर सम्प्रेषण गर्दै जानेछ । राष्ट्रियता, लोकतन्त्र, नागरिक अधिकार, सुशासन र प्रेस स्वतन्त्रताका सवालमा कहिल्यै कसैसँग सम्झौता गर्ने छैन । अनलाइन पत्रिकाको रुपमा निरन्तर सुचना प्रवाहमा जागरुक रहन्छ ।

जय माँ राजदेवी मिडिया हाउस द्वारा संचालित
सजिलो पोष्ट डटकम अनलाइन
सम्पर्क कार्यालय:-जनकपुरधाम-२४,धनुषा
सम्पर्क :९८०४३०१५९०
Email : [email protected]
Website : www.sajilopost.com


 सूचना विभाग दर्ता नं. : ३९२१-०७९/८० 
 प्रेस काउन्सिल दर्ता नं. : ३९०९-०७९/८० 

अध्यक्ष/सञ्चालक-संगीता कुमारी साह

कार्यकारी सम्पादक-गिरिजानन्द साह
सम्पादक-विशुन देव सरदार

This page has been visited: web counter © 2021 SajiloPost.com

  • Privacy Policy
No Result
View All Result
  • गृहपृष्ठ
  • समाचार
  • प्रदेश
    • कोशी प्रदेश
    • मधेश प्रदेश
    • बागमती प्रदेश
    • कर्णाली प्रदेश
    • लुम्बिनी प्रदेश
    • गण्डकी प्रदेश
    • सुदूरपश्चिम प्रदेश
  • राजनीति
  • समाज
    • कृषि
    • स्वास्थ्य
    • शिक्षा
    • अर्थ/वाणीज्य
  • विचार
  • खेलकुद
  • मनोरञ्जन
  • अन्तराष्ट्रिय
  • विविध
    • ब्लग
    • रोचक विश्व
    • अन्तर्वार्ता
    • पत्र-पत्रिका
    • राशिफल
    • जीवन शैली
    • फोटो ग्यलरी
    • विज्ञान/प्राविधि