~कहै छि जे हमहु सब अहाके साथ छि
सदन छोडि सडकपर अबैछि ,
काधँमे काँध मिलाक संघर्ष कर लेल,
मुदा कहियो अपनेमे अपने फुटै छि त कहियो केकरो साथ जुटि क नयाँ पार्टी सृजना करै िछ ,
ताहि सँ त कहैछी जे
कोनाक करु बिश्वास आहापर !
कोनाक करु बिश्वास आहापर !!
~किया बन्बए छि मधेसी जनता सव के बेब्कुफ्फ,
किया लडै छि अपने मे अपने
मन्त्री पद कै लेल,
मधेसी जनता मे मधेशक भावना छै लेकिन अहा मे किया नै,
ताहिस त कहै छि जे कोनाक करु बिश्वास अहा पर !!
~किया दैछि एहन ५० लाख क ललिपप ,
किया कमाइछि येहन सस्ता लोकप्रियता
बिना लोलिपपे के द रहल अछी मधेसी जनता अपन शाहादत ,
जनताके लेल मधेस जन्मभुमी छै
लेकिन अहा के लेल किया नै !!
ताहि स त कहै छि जे ,
कोनाक करु बिश्वास अहा पर
कोनाक करु बिश्वास !!
--श्याम कर्ण।
(जनकपुरधाम)















Discussion about this post