हम टिचर सभ , टिचर एक्सचेंजरुममे बैँस अपन अपन काजमे व्यस्त छलौ।सभ अपना अपना टेबल पर अपन अपन किताब आर कापी सँग नेना चारि केने छलखिन।देखिते लागिरहल छलै जे सभके दिमागमे एकेटा बात दौड रहल होइ , “जे कोनाक क्लासमे इ परोसल जायजे बच्चा सभ विशेष ज्ञान हासिल कय फट्दय बुझिजाय।एल इज (हप्ता भरिक प्लान) सेहो सहजता पुर्वक लायल जायसके।सभ अपन अपन दिमागके खटखटा प्लान तयार करमे व्यस्त छलखिन।करीब करीब लंचके टाइम होबलागल छलै।हमर सभहक टि एल टी यानी एच ओ डी रुममे अबैत छथिन।
“हेलो एभरी वन”
सभ रिप्लाईमे हैलो सर कहैत छथिन।हम अपन आदत मुताबिक सर दिस ताकि
“नमस्ते सर”,कहैत छियैन।
सर सेहो आँखिक ईशारा सँ रिप्लाई दति छथिन।सरके आँखिए सँ बहुत किछु व्यक्त करबाक आदत छलनि।शुरुशुरुमे हम सरक अहि हेबिट सँ ठामेके ठाम अटकि जाइत छलौ या कहित किछु धडफराजाइत छलौ।मुदा धिरेधिरे ईह हेबिट हमरा एनाक छुबैत चलिगेल जे हमहु अपना जीवनमे उतार लगलौ।बिना किछु बजनेही जे भाव पसरि जाइत छलै।
“लंच भेलै सभके?”
“जी नहि सर!”,समुहेमे सभ जबाब दति छथिन।
“कि आई लेबाक नहि छै?”, सरके मुहपर हँसी छलैन।
” नहि नहि छकि कि”, कहि “सभ आब जेबै” कहैत छथिन।
सर रुम सँ चलिजाति छथिन।हमर नजर देबाल पर टांगल घडी पर दौड जाइय।घडीमे लंचक टाइममे दस मिनेट जोग बाँकि देखारहल छलै।आन दिन लंच टाइम साढे दस सँ एक बजेधरि रहितो रविदिनक समय हटल छलै।
अहिठाम शनिदिन आर रविदिन बच्चा सभके छुट्टी रहितो रविदिन टिचर सभके आबि हप्ता दिनक काजके ओरियान करके चलन छलै।रविदिन टिचर सभक समय प्रिन्सिपल नहि त टि एल टी सँगक मिटिगंमे व्यतीत भेल।जहिया मिटिगं नहि रहल सभ अपन अपन टि एल टीके देल जानकारी अनुसार अपन अपन प्लान हप्ता भरिकलेल तयार केलक।ककरो किछु कन्फ्युजन रहल त जाक अपन टि एल टी सँग सलाह सुझाव लेलक।
“सर अतेक सबेरे आइ लंच लाय किया एलखिन? सायद सरके आई भुख लागिगेल छनि।ओना त सरके बुझले बात हेतैन रविदिन साढे बारह बजे सँ पहिने कहियो नहि भोजन तैयार भेल रहैछै।हेय! हमहु कथिलक बसिजाइत छी ।नोरमल बात छै कहियोकाल जेना हमरा सबेरे भुख लागिजाइय आइ सरके लागिगेल हेतैन।”,सोचि हम अपन काज तयार कय कम्निकेशनमे प्रिन्ट आर फोटोकपीलेल सेन्ड करैत छी।
चश्माके विशेष शौकिन आदमी हम नहि भेलाक कारण काज खत्म होइते चश्मा आँखिपर सँ उतारि ओरियाक धरैत अपन पसरल किताब कपी सबके समिटक लक्करमे धरैत फोटोकपी लाबलेल कम्निकेशन दिस डाउन स्टेयर्स जाइत छी।फोटोकपी सबटा करबति समय लंचक अन्त के करिब पँहुच देखि हम धडफराति केफटेरियामे पँहुचति छी सोचिजे किछुदेरम बाद समय भजेतै त फेउर कहु बन्द नहि भजाइ।
केफटेरियाक चहलपहल सभके खालेलाक कारण न्यून लागिरहल छलै।किछु सिस्टर सभ खारहल छलखिन।हमहु अपना लाय पलेट,चम्मच, काँटबाला चम्मच आर बाटीलय भात परस लगैतछी।भोजन परोसिए रहल छलौ कि एकटा सिस्टर बजैत छथिन हमर सभहक टि एल टीके नाम धय जे ओ सर बाँकिए छथिन खायलाय।नहि खेलखिन।हम भोजन लय टेबुल पर जाइछी।सिस्टरके कहलबात हमर दिमागमे घुमि जाइत अछि।
चम्मचलक भातदालि सनितोमे कर नहि उठिरहल छल।सोचायलागल छल जे “सरके तखने अतेक भुख लागल छलनि त फेउर अखन धरि खेलखिन किया नहि?आँखि घुमाक टाँगल घडी पर पँहुचबै छी। पुरापुर त नहि लगभग सबा एक होबलागल छलै।आब त खायक समयो बित लगलै।सर किया नहि खाय एलखिन? सर कखन खेथिन? केफटेरिया कहु बन्द नहि भजाइ।फेउर अहिठामक रुल नहि एलौ टाइम पर त गेलौ।मुह ताकैत रहि जाउ।”
हम अपन सोचके ओतही रोकि खायके प्रयत्न करलगैछी।हम जे किछुवो प्रेम स बिना हिचक खायबाली अतेतकि कि अगर दालिमे नुन बेसि भगेल छै त पानी मिलाक पिलेब बालीके सेहो किछुघरिलेल सोचागेल जे आजुक खानामे इ कि एहन बनल छै ?हमरा टिचर सभके नाक मुह चम्कबति चेहरा झलकलागल।ओ सभ खनेपर बुझाइय एना बिचकि रहल छलखिन।सायद ओहि द्वारे एक दु गोटाके देखने छलियैन बाहर सँ स्नाक पैक कराक लबति।हमरा तखन लागल छल जे अखने त भोजन केलखिन कुन पेटमे अखने इ सभ समोसा मोमो खेथिन।बात त अहिठाम ई छलै आब हमरा बुझमे आयल छल।हमर मोन लौकगेल होय ने होय इयाह कारण हेतै सर कहु खायलेल नहि आयल हेथिन।हमरा आँखिक आगु पटलकबाला दिन घुमिजाइय।
पटलक छलै।परिकार सभ सँ टेबल भरिगेल छलै।सभहक हाथक सभ रंगक परिकार सँ घर गमगमा रहल छलै। हम पहिने होइ त हम पहिने होइ कहिक सब हबरहबर लाइनमे लागिरहल छलखिन।हम लाइन लागब नहि पसिन करबाला होबाक कारण बाहर ठार भय सबटा देखरहल छलौ।टेबुलके चारुकात लाइन छलै ।सब घुमि घुमिक अपन अपन पलेटमे परिस रहल छलखिन।सब सँ पहिने प्रिन्सिपल आर टि एल टीके हाथमे परोसल थारी देखलियैन।नहि जनैछी केना हमर आँखि सरक हाथक थारीमे पँहुचगेल।अनुमान लगबैत कनियो देर नहि लागल जे सर नुनगरचहटगर विशेष पसिन करैछथिन।कतौ कतौ इहो लागलागल जे आदमी फुड लवर सेहो छथिन।
हमरा बेरमे किछु आइटमके बट्टा पुरापुर खाली भगेल छलै।आश्चर्य लागल देखिक जे दही आर रसभरीके बट्टा ओहिना छलै।केउ छुनहु नहि छलै।पाछु स एलाक कारण सभके थारी भरल ओतेक व्यंजनके छोरि यम्हर ताकके फुर्सतो नहि रहिगेल हेतै।हम मुस्कति अपन पसिन दही रसभरी लक खायलेल पँहुचति छी।हमर पलेटमे किछुए आइटम देखि एकगोटा टिचर हमरा कहैतछथि,”हम कायबेर कहलौ म्याम आबिजाउ।अहु पसि जाउ अहिभिरमे।मुदा केय सुनैय?अन्तमे गेलाक परिणाम देखु इयाह थोडबेक चिज अछि आगुमे।खायमे आगु रह परैत छै।”
हम चुपचाप हुनकर बात मुस्कराति सुनिलति छियनि।बेजाय नहि छलनि हुनकर कहब।मुदा ओ किजाने गेलखिन हम कुन केटागोरीके आदमी छियै? आइ तकि हमरा यादे नहि अछि सभगोटेलेल आयल कुनो चिजमे हम पहिने चुज केने होइयै!सदैव सभके लेलाक बाद जे रहिगेल ओ हम लैतछलियै।फेउर इह खायपिबबलाक चिजमे धक्कमधुक्का
सायद हमर डिक्शनरीमे एहन शब्दक इन्ट्री नहि छकि।मुदा ओहि साथीके कि पत्ता जे हमर पसिनक चिज हमर थारीमे परोसल छै।
हम खाक उपर सरके रुम दिस बढैत छि जे सर छथिन कि नहि?छक्क परिजाइत छि सरके देखि,सर छेबे केलखिन।एकटा टिचरके किछु बुझारहल छलखिन त दोसर बसिक अपन बेरलाय रुकल छलै।हम सर लग नहि जा दुरे स लौट जाइत छी।हमरा बजेने छलखिन कथिलाय से बुझलाय सर सँ भेटके छल।सभके ट्रन खत्म देखि अौपचारिकता स्वरुप हम कापी,पेन आर एल इज लक पँहुचैत छी।गेट नक करैत ,”सर डु यु कल मी?”
“यस म्याम! अँहाके किछु पुछबाक अछि?”
“खास त तेहन किछु नहि।अपने किछु कह चाहैछी त कहलजाय।बट फस्ट यु गो एन्ड टेक लंच।”
“नहि पहिने यम्हुरका काज सब सकालति छी।”
हमरा एकब्याग बजागेल,” सर इ काज सब त बादोमे होइत रहतै।समय देखल जाय त कतक भागिगेल छै।आइ वील वेट।प्लीज यु गो एन्ड टेक फस्ट लंच।”
सर सोझे पिताजाइत छथिन।पितायल आवाजमे,” अँहाके नहि सुनके अछि त अँहा जा सकैत छी।जाउ अत सँ अँहा।भगेल हमरा किछु कहबाक नहि अछि।”
हमर कपी हमरा दिस बढबति पेनके देखा,”इहो अहिके अछि ने, लिय जाउ।प्रोफेसनल लाइफके पर्सनल लाइफ सँ—-“,कहैत सर चुप भजाइत छथिन।
“सरी सर, प्लीज!”
“नहि नहि जाउ अँहा।”
हम कपी पेन समिटक सरके बढबति,”सरी सर प्लीज।”
सर कपी लय एलईजके बारेमे बाज लगैत छथिन।सरके किछु कुल भेल देखि हमर मोन किछु शान्त होइय। बीचमे हमरा सँ पुछि उठैत छथिन, ” हेव यु गट ईट।”
हम नहिमे माथ डोलादति छियै जानिक जे सर हमरा एना देखि किछु देर रेस्ट कर हमरा कहिक अपने खाय चलिजेथिन।मुदा उन्टे भजाइत छै। हमरा कहैछथिन ,” जाउ कनिदेर अँहा स्थिर भक आउ। ताबैत हम रुकैत छी।एकटा टिचर सेहो आयल छलखिन।हुनको किछु छनि बुझबाक।हम बजबै छियैन।”
सरके खायके कनियो ताकतुक नहि पाबि हम कहिउठलौ, ” सर हम बुझिगेलौ।आँगुर स एलइज पर ईशारा करैत ,”हम ई सब तयार कलेने छी।”
सर कपी पल्टबति कपीमे ताक लगैत छथिन।
“अत नहि।स्टाफ रुममे छै बस हम लक एलौ”, कहि हम फटाफट निकलिजाति छी।हम इयाह त चाहिरहल छली कनिदेर सर एकेले रहथिन त कहु किछु शान्त भय जेथिन।हमर मोन बड सुठुवागेल छल।एक मोन कहैत छल जे भुखल आदमीके खायलाय कहब कोना गलती भगेलै जे सर अतेक पितागेलखिन ? त दोसर मोन कहैत छल तोरा कुन जरुरत छलौ? ककरो अहिठाम कुनो मतलब देखलहिय ?काबिल बन गेल छलेह ने।बुझले बड काबिल होबाक परिणाम कि होइत छै? ककरो किछु देखले नहि जायत !सबकिछु अपना पर धय सोचलागब।हृदयमे करुणाक भाव उमरेने रहब।सबके ईमोशन अपने सन बुझब।ककरो तकलीफ अपना माथ पर लय चलि परब सोसल कर्ता बन।बनैत रहु सामाजिक कर्ता! खेलौ ने लड्डु !
हम पेपरलय धडफडाति सर लग पँहुचति छी।सर पेपरके देखिक “गुड जब।फेउर दोसर पन्ना उन्टा भेरी गुड,”कहैत छथिन।आन दिन सरक अहितरहक कमेन्ट सुनि हम चिहैक उठबालीके चेहरा पर आई कुनो तरहक रिएक्शन नहि आयल छल।हमर दुनु आँखि चुपचाप शुन्यके निहारि रहल छल।इ सच छलै जे आँखिमे नोर नहि छल मुदा भितर नोरक धार बहिरहल छल।सरके ईह नाकेपर पितायबला रुप सँ हम अंजान छलौ।आइ भिग पँहुचल छलौ।
सर हमर भाव पढिलति छथिन।बहुत स्थिर भक कहैत छथिन,” सरी म्याम! हमरा एना नहि बाजक चाहिँ।केउ हमर कन्सर्न रखैत अछि त हमरालेल खुशीक बात छै।प्लीज म्याम पार्डन मी!”
हम माटिक मुरत समाने रहिजाइत छी।मुह पर कुनो रिएक्सन नहि अबितो सरके अहितरह स बजनाई हमरा झिकझोरि दैय।सर एलइज लय ओहिपर किछु बाजि कहैत छथिन,” हम ईयाह त चाहैछी।गुड ईनिसिएटिव।”
हमर बुत बनल देहियामे धुकधुकी दौडजाइय।किछु बाजल त नहि होइय मुदा किछु खिलल चेहरा लय हम सर दिस तकैत छी।सर हमरे दिस ताकि रहल छलखिन।सरके आँखिमे अपना प्रति गिल्ट देखि हमर मोन कानि उठैय।हमरा किछु बाजल नहि होइय।चुपचाप बाहर चलि अबैत छी।
मोन हमरो बहुत हलुक भगेल छल। बहुत रंगक बात सोचाय लगैय।सर चाहितथिन त किछु कय सकैत छलखिन।हमरा दिनेमे तारा देखबा सकैत छलखिन ।मुदा नहि।उन्टे सरे ——-।हमर मोन पिघलि जाइय।आइ फेउर हमरा नजरमे सरके छवि बढिगेल छल ।चुबे नहि नोर कहि अपनाके सम्हारलाय दोसरठाम यम्हर उम्हर ताक लगैत छी। एहने एहन असहज घरी हमरा सरके भितर छुपल गहिराइ सँ परिचित करबति आयल छल।बाहर सँ त एहन ने मुखरा लगेने रहैत छथिन जे केउ बुझियो नहि पेतै भितर स ईह आदमी अहितरक नरम हृदयबाला छथिन।सायद इयाह बात हेतै जे लोक सरके परोछमे बहुत उल्टासिधा बाइज जाइत छै।हमर हाथ विचारेमे सरके पयर छुवि प्रणाम कर पँहुच जाइत अछि।माथ श्रद्धा स झुकि जाइत अछि।सरक कहल बात याद परिजाइय जे अहि छी जे कहैत छी हमरा सर भरोसगर मनुष लगैत छथि।हम त अहिठामक अहिठाम छी ।बहुत लोक बहुत चीज सुनाक चलिजाइत अछि।सरके आवाजमे दर्द भरल रहैन।सरके एना कहब सुनि हमरा होशे नहि रहल कोना हम कहिदेने रहियै,” सर मुदा हमरा त अपने लग वेभ छुबति महशुस होइत रहैय।”
परात भेने सर सँ भेट होइत अछि।हमरा भितर अखनो किछु डर छुपल छल जे सर कहु किछु कहति नहि।हम हाथ जोरि सरके,”नमस्ते “,कहैछियनि।
सर पहिनहि जका आँखिए सँ जबाब दति कहै छथिन, “टुडे आइ हेव अलरेडी टेकेन ब्रेक फास्ट ।” हाथ सँ पेट सोहरबति, ” माइ स्टोमेक इज टोटली फुल।”
हम बकर बकर सरके देखति रहिजाइत छियै।
क्लाश सब खत्म भगेल छलै।हम टिचर एक्सचेञ्ज रुममे नहि बसि बच्चा सभहक क्लाश जे ठंडगर छलै ताहिमे पंखा चला पंखेके निचा कुर्सी धय ठंडारहल छलौ।केबार दिस पिठ भेलाक कारण हम सरके अबैत नहि देख पायल छलियनि।हमरा तकैत सर अत पँहुच गेल छलखिन।
सरके आवाज “म्याम” सुनि हम धडफडाइत,” यस सर” कहैत छियै।सर
टेबुल पर धायल ट्रे जाहिमे एक टिचरके जरुरीक समान सब रहैत छै हमर बुझि ओहिमे एलइज ताक लगैत छथिन।
” सर इ ट्रे हमर नहि।हम अपन लक अबैत छी”, कहैत हम बाहर निकलति छी।हम अपन पेपर लय जायलाय पयर उठबिते छि कि ओतै सरके ठार देखि रुकि जाइत छी।सर पेपर देखैत,” कतेक काज भेल ?कतेक बाँकि अछि?”पुछैछथिन।
हम डेराइते कहैत छियैन, ” सर दु दिन बिदा भगेलाक चल्तै किछु काज एलैय किछु बाँकिए रहिगेल छै।”
” त हम अगिलका विकमे अकरे आगु बढादियै ?”
सर दिस ताकैत हम हँमे माथ डोलबति छियै।हमर चेहरा पर मुस्कान छल।
“किछु कुनो तरहक दिक्कत त नहि अछि ने।”
” जी नहि।”
सर जाय लगैछथिन।
“सर”
हमर आवाज सुनि सर
“हँ हँ कहु” कहैत रुकिजाइत छथिन।
” हमरा अपनेके बच्चा सभहक किछु काज देखबाक अछि।”
” अखन त नहि हायत।कनि काज अछि।”
“प्लीज सर!”
“लेकिन हमरा निचा जायके अछि।”सरके आवाजमे नरम्ता छलनि।
हमरा बुझल छल सरके निचा गराउण्डमे बच्चा सभलग जायके छनि।ओत किछु रहियोक गेला सँ होइतै।
” प्लीज सर! कनिए देर।”
सर मानिजाइत छथिन।
“अच्छा!चलु।”
हम सरके वालमे टाँगल काज सब देखबै छियनि।सरके पसिन परैत छन्हि।किछु संघर्सरत बच्चाके काज पर विशेष ध्यान देबलेल कहैत छथिन।हम सहमतिमे माथ डोलबति छियै।
” कहुत हमरा ,अहि सबमे अँहाके कुन दुटा बेसी निक लगैय?”
” सर अपनही कहल जाय।”हमर आँखि निचा ताकिरहल छल।
“हम पुछलौह ने।”
सरके अहितरहक सिनेह भरल आवाज सुनि हमर मोन आनन्द सँ झुमिउठैय।
हम किछु नहि बाजि नहिमे माथ डोलबति छियै।सर अपनही स कहैतछथिन,”हमरा ईह दुनु निक लागल।”
सचमे ओहिदुनुक बच्चाके काज गजब छलै।
” अतेक सुन्दर सँ सभ डिमोन्स्ट्रेशन केलक ने।बहुत सुन्दर !”,कहि मुट्ठी मुनि डनके साइन देखबति छथिन।सरके एहन कोमल रुप देखि हमर खुशी कमल जा हँसलगैय।
” सर अपने डिमोन्स्ट्रेसन काल आयले नहि गेलै!”
” कहाँ कहलौ? कहक चाहिँ ने।हमरो कतेक काज रहैय।बिसरा जाइत अछि।नहि त एकटा मेसेजे कयदितौ त हम चलिअबितौ ।हम भगवान नहि ने छी जे अपने बुझि जेबै।”
हमर मोन सरके एना देखि प्रफुल्लित भय उठल छल।
हमरा मुह सँ एकब्याग निकलि जाइय,” हमरा त अपने भगवाने लगैछी।”वातावरण मौन भगेल छलै।
किछुदेरक बाद सर बजैत छथिन, ” अहिना काज आगु बढबैत रहु।हमरा बुझल अछि यु डु इट।”
दुनु गोटा बाहर निकलति छी।हमर बैसलहा क्लाशके अबिते कहैत छथिन,” जाउ अँहा ओत जाक बैसु।हम चलैछी।”
हम ओतही ठार सरके देखैत रहिजाइत छी।हर्षक मारे आँखि डबडबा जाइत अछि।लगैय जेना हृदयक गति बढिगेल होय।ठोरक मुस्कि स नाक पसरिगेल छल।मोनेमन बडबडाइत छी,” सरक बाहिरिए रुप कि चुबैछनि भितुरका गहराइ सेहो नापब मुस्किल छै।कहैत छै एकब्याग निकलल बोलीमे सरस्वतीक बास होइत छै।के कहैछै भगवान स्वर्गमे रहैत छथिन? ओ त अहिठाम धरती पर छथिन।”
कथा लेखक-सुधा मिश्र
महोत्तरी (हाल काठमाडौ)

















Discussion about this post